अस्पताल सँ छुट्टी भेटलाक बाद पटना पहुँचलाह लालू, 30 तारीख धरि करबाक छन्हि सरेंडर ।



पटना : राष्ट्रीय जनता दल (राजद) अध्यक्ष एवं बिहारकेँ पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादव मुम्बई स्थित एशियन हार्ट इंस्टीट्यूट सँ छुट्टी भेटला उपरांत आय पटना पहुँचि गेलाह अछि। विदित हो जे काल्हि लालू केर दोसर झटका लागल छलनि। पहिल झटका ओहिसमय लागलनि जखन झारखंड उच्च न्यायालय हुनक अंतरिम जमानत रद्द कय देलकइन्ह संगहि 30 अगस्त धरि समर्पण करबाक लेल कहलकैन्ह। ओतहि काल्हिए प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) पूर्व रेलमंत्री लालू प्रसाद, हुनक पत्नी राबड़ी देवी आओर पुत्र तेजस्वी यादव समेत अन्य लोकक खिलाफ 2006 में आईआरसीटीसी होटल टेंडर मामिलामे आरोप पत्र दाखिल कयने छल।

जनतब हो जे लालू प्रसाद यादव केँ मई मासमे ईलाजक हेतु छह सप्ताह वास्ते अंतरिम जमानत प्रदान कयल गेल छल जकरा बाद उच्च न्यायालय अहि जमानत केँ बढ़ा देने छल। चारा घोटालाक एक मामिलामे दिसंबर 2017 केँ दोषी करार देलाक पश्चात लालू राँची केँ बिरसा मुंडा सेंट्रल जेलमे राखल गेल छलाह। हुनका जनवरी आ मार्च 2018 में दू टा अन्य मामिलामे सेहो दोषी ठहराबैत 14 बरिख जेलक सजा देल गेल छलनि। साल 2013 में चारा घोटालाक मामिलमे पहिलबेर दोषी ठहराबैत हुनका 5 बरिखक जेलकेँ सजा सुनाओल गेल छलनि।

कि छैक आईआरसीटीसी होटल टेंडर मामिला

साल 2004 सँ 2009 केर मध्य रेलमंत्री रहैत लालू प्रसाद यादव रेलवे केँ पुरी आओर राँची स्थित बीएनआर होटलक रखरखाव आदिक वास्ते आईआरसीटीसी केँ स्थानांतरित कयने छलाह। सीबीआई केर मोताबिक, नियम-कायदा केर ताक पर राखि रेलवेक ई टेंडर विनय कोचर केँ कंपनी मेसर्स सुजाता होटल्स केर देल गेल छलैक। आरोपक मोताबिक, टेंडर देल गेलाक बदला 25 फरवरी, 2005 केँ कोचर बंधु पटनाके बेली रोड स्थित तीन एकड़ जमीन सरला गुप्ता केर कंपनी मेसर्स डिलाइट मार्केटिंग कंपनी लिमिटेड केँ बेचि देलक, जखनकि बाजारमे ओहि जमीनक दाम बेसी छलैक। जानकारीके मोताबिक, अहि जमीन केँ कृषि जमीन कहिकय सर्कल दाम सँ बड्ड कममे बेचिकय स्टाम्प ड्यूटीमे सेहो गड़बड़ी कयल गेलैक। बादमे 2010 सँ 2014 केँ मध्य अहि बेनामी सम्पति केँ लालू प्रसादक पारिवारिक कंपनी लारा प्रोजेक्ट केँ मात्र 65 लाख टाकामे दs देल गेलनि, जखनकि उक्त समय ओहिकेर बाजारमे दाम सम्भवतः 94 करोड़ टाका छलैक।

विदित हो जे सुशील कुमार मोदी आरोप लगौलनि अछि जे अहि जमीन पर पटना केँ सबसँ नमहर शॉपिंग मॉल बनाओल जा रहल अछि।
#पटना # सरेंडर #लालू यादव #मैथिली समाचार