दरभंगा: दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखण्डक ,आनंदपुर सहोरा पंचायतक अन्तर्गत्त प्लस 2 बालिका परियोजना विद्यालयक मुख्य सड़क स स्कूल तक जेबाक लेल सड़क संकीर्ण अछि ,खास क बरसातक मौसम में करीबन 200 मीटर रास्ता पर जल जमावक कारण बालिका सब के बहुत परेशानी होइत अछि ,जाहि के ल क किछु ग्रामीण आ छात्र संघटन अपन राजनीति मूछ पिजा रहल छैथ ।
प्राप्त जानकारी केँ मुताबिक जे ,स्कूल स सटल जमीन अछि,उ किछु दिन पहिले तक खेत छल आब जमीन मालिक ओइह में आरा लगा क गाछी ( नवगच्छली ) लगा लेलैथ यै।।जाही कारण स और रास्ताक अभाव भ गेल अछि ।ओहि पंचायतक मुखिया "विजय पासवान" और "विधायक अमरनाथ गामी" स जखन एही समस्या के बारे मे कहल गेल त,हुनक जवाब यी अछि कि , किनको निजी जमीन पर रास्ता नै भ सकैत अछि जा धैर जमीन मालिक के ओकर लिखित कानूनी प्रक्रियाक आज्ञा नै देता ।ग्रामीण या छात्र संघटन पंचायत स्तर पर बिन बात केने आंदोलन करबाक लेल अप्पन तारीख केर घोषणा सेहो क देलैथ यै।
सूत्रक अनुसार स्कूलक प्रधानाध्यापक सहोरा पंचायतक निवासी छैथ । प्रधानाध्यापक केर पुत्र अपन निजी स्वार्थ के लेल एहि तरहक रूप रेखा तैयार क युवा वर्गक लोक केँ बरगला त नैए रहलाह अछि जाहि सँ आंदोलन तेज होइ आ हिनका राजनीति लाभ भेटैन।ओर भी बहुत रास हवा में चैल रहल अछि।