मिथिलाक धिया 'नीलम' बनलीह स्टेशन मास्टर


सहरसा : आब महिला कोनो काम काज में पुरुष सँ पीछा नैए छैथ। एहने साबित केलक यै ए ग्रेडक दर्जा प्राप्त क सहरसा स्टेशनक पहिल महिला स्टेशन मास्टर नीलम कुमारी।
नीलम सहरसा स्टेशन पर परिचालन विभाग में योगदान देबाक बाद बखूबी ट्रेनक ऑपरेट करबाक काज संभाल लेली।पैनल पर गाड़ी(ट्रेन) केँ लाइन क्लियर दैत और कंट्रोल स मिलल मैसेज मुताबिक गाड़ी केर मूवमेंट करबैत देख महिला यात्री चकित अछि। 
मधुबनी जिलाक भपटियाही गांवक नीलम ट्रेन परिचालन सँ संबंधित परेशानी केँ सेहो बिना किनो शिकन केर दूर करैत छैथ। तीन मार्च 2018 को रेलवे रिक्रूटमेंट बोर्ड पटना में चयन के बाद हुनक यी पहिल पोस्टिंग अछि। सुपौल जिले के मध्यविद्यालय कुशहर माल केर शिक्षक भागवत साहू और गृहिणी शीला देवीक सबस छोट बेटी शुरू सँ बहुत प्रतिभाशाली छैथ। 

नीलम केँ दु भाई कुमार देव साहू, राज कुमार साहू और शादीशुदा बहिन अंजना कुमारी से छोटी अछि नीलम। नीलम कहलक कि स्टेशन मास्टरक यी नौकरी बहुत नीक और नव अनुभव अछि हमरा लेल। एही पहिल पोस्टिंग में पिताक तुल्य अभिभावक स्टेशन अधीक्षक सहित अन्य वरिष्ठ व समतुल्य विभागीक लोग सबहक भरपूर सहयोग मिल रहल अछि। 

नीलम कहलैथ कि अगर महिला  ठाइन लैथ त कोनो जॉब(नौकरी) असंभव नैए अछि। स्टेशन अधीक्षक नवीन चन्द्र यादव बातचीत करैत समय कहलैथ कि योगदान दैय केँ बाद नीलम मोन लगाक सब काजक प्रशिक्षण ल रहल छैथ।

नीलम केँ लगा क सहरसाक स्टेशन पर  17 स्टेशन मास्टर भ गेल। स्टेशन अधीक्षक कहलैथ कि 16 पुरूष और एगो महिला स्टेशन मास्टर एत कार्यरत अछि।



समस्तीपुर रेल डिवीजन में नीलम सहित 8 गो महिला स्टेशन मास्टरक रूप में विभिन्न स्टेशन पर योगदान देलक यै।डिवीजनक दरभंगा, मधुबनी, लहेरियासराय, नरकटियागंज, रक्सौल और सीतामढ़ी स्टेशन पर सेहो महिला स्टेशन मास्टर अपन योगदान देलक यै।ओहि सबहक चयन नीलम केर साथ भेल छल।

मिथिला दैनिकक् टिम केर तरप स नीलम केँ बहुत बहुत शूभकामना संग बधाई।

#मैथिली समाचार #मिथिलाक धिया #सहरसा
और नया पुराने