पटना : मुजफ्फरपुरकेँ बालिका गृह यौन शोषणक कांडमे रोज नव-नव खुलासा भs रहल अछि। अहि मामलामे लगातार राज्य सरकारकेँ किरकिरी भेलाक बाद अंतमे बिहार सरकारक समाज कल्याण मंत्री श्रीमती मंजू वर्मा अपन पद सँ इस्तीफा दs देलीह। अहि मामलामे वर्मा आ हुनक पति केर नाम एलाक बाद ओ इस्तीफा देलनि।
जनतब हो जे मंगलदिन सीबीआई द्वारा मुख्य आरोपी ब्रजेश ठाकुरकेँ मोबाइलक सीडीआर निकलबाओल गेल छलनि जाहिमे मंजू वर्मा आ हुनक पतिकेँ आरोपी संग भेल बातचीतक खुलासा भेल छल, संगहि विपक्षक पार्टी सभ लगातार हुनकर इस्तीफाके मांग कय रहल छलनि। तदोपरांत 8 अगस्त यानी काल्हि खन मंजू वर्मा मुख्यमंत्री सँ भेंट कय अप्पन इस्तीफा सौंपि देलनि। इस्तीफा सौंपलाक बाद मंजू वर्मा प्रेस सँ गप करैत कहलनि जे "हम अपन स्वेच्छासँ इस्तीफा देलहुँ अछि संगहि अपन पतिके निर्दोष हेबाक गपकेँ पुनः दोहरौलनि।
मंजूजी कहलनि जे हमर आ हमर पतिकेँ आरोपी ब्रजेश ठाकुर सँ गपशप जरूर भेल छल, मुदा ई गप केँ जनैत छल जे ब्रजेश ठाकुर बालिका गृहमे कि सभ करैत अछि?" संगहि मंजू वर्मा माँग केलीह जे ब्रजेश ठाकुर सँ किनकर- किनकर संबंध छन्हि सीबीआई खुलासा करैथ, पटना हाईकोर्ट आ सीबीआई सँ हम माँग करैत छी जे ब्रजेश ठाकुरक संग अहि मामलामे कोन-कोन राजनेता आ अधिकारी सभसँ गप होइत छल ओहि राजनेता सभक फोन डिटेल निकालबाक चाही आओर पटना हाईकोर्टके सेहो सीडीआर देखबाक चाहियैन्ह। सीबीआई केँ सीडीआर सार्वजनिक करबाक चाही आ सम्बंधित व्यक्ति सभपर कार्यवाई सेहो होबाक चाही। श्रीमती मंजू वर्मा तेजश्वी यादव पर आरोप लगबैत कहलीह जे अहि सभटा घटनाक्रमक पाछू हिनके चालि अछि।