दरभंगा : एससी-एसटी एक्ट पर केंद्र सरकार द्वारा लाओल गेल अध्यादेश केँ विरोधमे आय सवर्ण समाज समूचा भारत बंद केर आह्वान कयने अछि। अहि बंद केर असैर बिहारके दरभंगा जिला पर बेसी होबाक खबैर भेटल अछि।
जनतब हो जे दरभंगामे अहि बन्दकेँ समर्थनमे सवर्ण समाज मोर्चा खोलि देने छथि। समूचा दरभंगाक यातायात सेवा पूर्णतः ठप भए गेल अछि। अहि दौरान दरभंगा टीशन पर दिल्ली जाय वला संपर्कक्रांति एक्सप्रेस केँ रोकि देल गेल। कटिहार जाय वला जानकी एक्सप्रेस पंडासराय गुमटी पर रोकि देल गेल अछि। लहेरियासराय केँ कर्पूरी चौक, चट्टी चौक, बेंता सहित दरभंगाक बहुतों जगह पर बंदक पूरा असैर देखल जा रहल अछि। दरभंगा -जयनगर एन एच 105 केँ हाजीपुर आ लदारीमे सेहो जाम कयल जेबाक समाद भेटल अछि। कमतौल थाना क्षेत्रमे एससी-एसटी एक्टकेँ खिलाफ अखिल भारतीय सवर्ण सेनाक बन्द केर समर्थनमे स्थानीय लोकक संग एन-एच 75 मब्बी-कमतौल सड़ककेँ गोपालपुर गुमती केर नजदीक जाम कयने छथि। हरिहरपुर-निमरौली पथ केर हरिहरपुर मिथिला चौकके पर सेहो भारी प्रदर्शन भए रहल अछि। रक्सौल-दरभंगा 75228 डीएमयू पैसेंजर केँ गोपालपुर गुमती केर नजदीक रोकि कय जातिगत आरक्षणक खिलाफ नारा लगाओल जा रहल अछि। कमतौल-चहुटा रेलवे गुमटी, कमतौल ढढिया मोड़ आदि कतेकों जगह जाम कयल जेबाक समाद भेटल अछि। अलीनगरक रामपुर-उदय चौक सेहो जाम कयल गेल अछि। बंद समर्थक सभ लहेरियासराय-बहेड़ी रोड केर एपीएम मोड़, होरलपट्टी, आनंदपुर, सुरहाचट्टीमे जामकय यातायात ठप क देलनि अछि। अहिकेर अलावा बहुतरास गामसँ सेहो बन्दकेँ खबैर निरंतर आबि रहल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे सवर्ण समाज द्वारा अहि बंद सँ बिहार बेसी प्रभावित अछि। लोकसभकेँ भारी दिक्कतक सामना करै पड़ि रहल छन्हि। जगह-जगह आरक्षण केँ खिलाफ नारेबाजी निरंतर कयल जा रहल अछि।