मुजफ्फरपुर : मधुबनी जिलाके रहनिहारि प्रिया राज केर नाम एखन विशेष चर्चामे छन्हि। मुजफ्फरपुर बालिका गृह कांडक मामलामे काल्हि यानी बुधदिन कोर्ट परिसरमे आरोपी ब्रजेश ठाकुर पर कारिख फेंकिकय भागि गेलीह जेकरा बाद तमाम सोशल मीडिया मंच पर प्रिया राज केँ खूबरास बधाई सनेस भेटि रहल छन्हि।
अहि घटनाके बाद कियो प्रियाकेँ बहादुर बेटी तs कियो दबंग गर्ल नामसँ संबोधित कय रहल छन्हि।
जनतब हो जे प्रिया राज राजनीतिक रूपे जन अधिकार पार्टी सँ जुड़ल छथि। जेखन प्रिया कोर्ट परिसरमे ब्रजेश ठाकुरकेँ अयबाक बाट ताकैत छलीह ओहिसमय प्रिया संग शीतल गुप्ता आओर पार्टीके आरओ कार्यकर्ता सभ आस-परोसमे अनचिन्हार बनि घूमि रहल छलाह। जहिना ब्रजेश ठाकुर कोर्ट परिसरमे आबि मीडिया सँ गप करबाक चेष्टा कयलाह तखनहि प्रिया राज आओर हुनकर साथी कार्यकर्ता सभ ब्रजेश ठाकुरकेँ मुँह कारी कय देलकैन।
किछुकाल कियो बुझि नहि पयलनि जे आखिर कि भेलैक? प्रिया राज हिम्मईत देखा सुरक्षा घेराकेँ तोड़ैत सुरक्षाबलकेँ चकमा दs ब्रजेश ठाकुरकेँ नजदीक पहुँचि कारिख पोति देलनि। ओना ई घटनासँ एकटा आम आदमी केर अहितरहें अतेक नजदीक पहुँचि गेनाय सुरक्षा व्यवस्था पर सेहो सवाल ठार करैत छैक। प्रिया राज कोर्ट परिसरमे कारिख नुकाकय लs गेल छलीह। पूरा घटनाके अंजाम दs प्रिया राज तत्क्षण ओतहि सँ भागि गेलीह। सुरक्षाकर्मी सभ सेहो प्रियाकेँ फुर्ती देखि मुँह ताकिते रहि गेलाह। ओतहि प्रिया संग चलि रहल शीतल गुप्ताके पुलिस गिरफ्तार कय लेकइन्ह मुदा किछुए कालक बाद शीतलके छोरा लेल गेलनि। प्रिया राजके अहि तरहक फुर्ती देखि पार्टी कार्यकर्ता लोकनि सेहो आश्चर्यमे पड़ि गेलाह।