दरभंगा महाराजक रेल इंजन केर देखबाक लेल पहुंचलैथ डीआरएम।



दरभंगा।[प्रणव चौधरी] दरभंगा महाराजक तिरहुत स्टेट रेलवे केर इंजनक दरभंगा जंक्शन पर लगेलाक बाद डीआरएम रवींद्र जैन अपने देखबाक लेल पहुंचल छेलैथ। हुनके नेतृत्व में महाराजक धरोहरक पूर्व मध्य रेल संरक्षित केलैथ यै। उ कहलैथ कि यी सफलता दरभंगा स्टेशनक ओर भारतीय रेलक लेल ऐतिहासिक अछि। यीभारतीय संस्कृति केर लेल धरोहरे टा नैय, महाराजक कार्यकाल में संचालित कुशल उद्योगक परिचायक सेहो अछि। एही इंजनक दीदार होबाक लेल दरभंगा केर लोग के लेल गर्वक बात अछि। यी मिथिलांचलवासी केर अप्पन अतीतक याद दियाबैत रहैत। डीआरएम कहलैथ जे कि और केको ऐहेन योजना अछि।जेहिके जल्द मूर्तरूप देल जैत। हालांकि,एही योजनाक साकार करबा में बहुत विघ्नक सामना करअ पड़लैन। मिथिलांचल केर प्रबुद्ध आदमी, नगरक विधायक संजय सरावगी, धरोहरक फोटोग्राफर संतोष व रेलकर्मी केर सहयोग स धरोहर के संरक्षित करबा में बहुत सहयोग भेटल। लोहट चीनी मिल में जंग खा रहल महाराजक रेल इंजनक 7 जुलाई के राइत में दरभंगा जंक्शन पर आनल गेल। डीआरएम जैन कहलैथ कि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एही सपना केर साकार करबा में बहुत मदद केलैथ यै। एही वर्ष दरभंगा स्टेशनक हाईटेक क स्केलेटर एवं लिफ्ट लगा देल जाओत।दरभंगाक प्लेटफार्म संख्या 3 व 4 के ऊंचा करबाक काम सेहो चैल रहल अछि। नीक पार्किंग केर व्यवस्था सेहो कैल जा रहल अछि। बाहरी क्षेत्रक और अधिक समृद्ध व खूबसूरत होय एही दिशा में तेजी स काम चैल रहल अछि।