बिहारक लाल डाँ कवि कुमार आजाद(डाँ हाथी) केर दिल के दौरा परला स भेल निधन ।



मुंबई: तारक मेहता केर उल्टा चश्मा’ में ‘डॉक्टर हंसराज हाथी’ केर किरदार निभाबैय बला कवि कुमार आजाद केर दिलक दौरा पड़ैय स मौत भ गेलन। कवि कुमार केर मौतक खबैर सुइनते शो केर शूटिंग के कैंसिंल क देल गेल।

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक कवि कुमार काइल भोर मे सुबह प्रोड्यूसरक तबीयत खराब होबाक चलैत सेट पर नैय आ पाबैय केर जानकारी द देने छेलैथ।पहिले सेहो केको बेर उ तबियत खराब रहबाक वजह से शो केर शूटिंग में हिस्सा नैय ल पाबैत छेलैथ।

डॉ. हंसराज हाथी गोकुलधाम सोसाइटीक ऐहेन सदस्य छेलैथ, जिनका सब कियौ प्यार करैत छल, और उ दर्शक समेत पूरा सोसाइटी केर चहेता छेलैथ। ‘तारक मेहता का उल्टा चश्मा’ में कवि कुमार आजाद डॉ. हाथी के किरदार में छेलैथ, और उ हरदम खाना खाए केर दीवाना रहैत छेलैथ।शो में उ डॉक्टर छेलैथ, मुदा ओवरवेट डॉक्टर छल।हुनका सब कियौ बहुत प्यार करैत छल।कवि कुमार आजाद केर मौत स संपूर्ण फ्लिम जगत शोक मे डुबल अछि।

टीवी सीरियल केर अलावा कवि कुमार बॉलीवुड फिल्म में सेहो काम केने छैथ। कवि कुमार साल 2000 में ‘मेला’ फिल्म में आमिर खान केर साथ सेहो नज़र आओल छेलैथ।