डबल इंजीनियर्स हत्याकांडमे उमैरकैद केँ सजा काटि रहल संतोष झाक शूटरकेँ गोली मारि भेल हत्या

मोतिहारी, ढाका : दरभंगा केँ डबल इंजीनियर हत्याकांडमे सजा प्राप्त अभिषेक झाकेँ कोर्ट परिसरे में दिनेदेखार गोली मारिकय हत्या कय देल गेल। भेटल जानकारी मोताबिक शिवहर जेलसँ ढाका अनुमंडल कोर्टमे पेशी हेतु लs जेबाक समय पहिनेसँ बाट ताकैत अपराधी सभ द्वारा ताबड़तोड़ गोली फायरिंग कय अहि घटनाक अंजाम देल गेल। तकरा बाद कोर्ट परिसरमे चहूँदिश भागमदौड़ केँ माहौल बनि गेल आ मौका केँ फायदा उठाबैत अपराधी सभ भागै में सफल भs गेल। घायलावस्थामे भागमदौड़ महौलकेँ बीच अभिषेक झाकेँ ईलाज हेतु मोतिहारी पठाओल गेल, जेतहि ईलाजक क्रममे हुनक मौत भए गेलनि।

पूर्वी चंपारणके ढाकामे भेल अहि हत्या सँ पुलिस प्रशासनमे हड़कंप मचि गेल अछि। एम्हर दरभंगा कोर्ट आ मंडल कारावासक सुरक्षा-व्यवस्था एकदम सख्त कय देल गेलैक अछि। बताओल जा रहल अछि जे हुनक बहुतरास समर्थक बंदी सभ दरभंगा मंडल कारावासमे बंद अछि। डबल इंजीनियर मर्डर कांडमे पीपुल्स लिबरेशन आर्मी केँ संस्थापक कुख्यात गैंगस्टर संतोष झा सहित दस टा सजा प्राप्त कैदी सभ वर्तमानमे मुजफ्फरपुर, सीतामढ़ी जेलमे बन्द अछि। अहि घटनामे पुलिसके घटनास्थल सँ एकटा पिस्टल आओर पाँच टा कारतूस हाथ लगलनि अछि।

विदित हो जे समस्तीपुर वरुणा पुल, रसियारी घाट स्थित स्टेट हाइवे केर निर्माण एजेंसी बीएससी/सी एंड सी कंपनी सँ पीपुल्स लिबरेशन आर्मी 75 करोड़ टकाक रंगदारी केँ माँग कयने छल, तदोपरांत 26 दिसंबर साल 2015 केँ दरभंगाक बहेड़ी थानाक्षेत्रक शिवराम गामकेँ मध्य विद्यालय केर नजदीक मोटरसाइकिल सवार चारि टा अपराधी एके-47 सन हथियारसँ कंपनीके अभियंता मुकेश कुमार आ ब्रजेश कुमारकेँ हत्या कय देने छल।  अहि हत्याकांडमे संतोष झा केर हुजूममे शिवहरकेँ डुमरी गामक निवासी अभिषेक झा मुख्य चारिटा शूटरमे सँ एक छल।