मिथिलाक धिया प्रतिभा प्रिया सेलिब्रिटी सबके द रहल छैथ फिटनेसक ट्रेनिंग ।



सीतामढी[प्रणव चौधरी]मिथिलाक धरती पर जन्मल धिया सबमे प्रतिभाक कमी नैय होयत अछि।सीतामढ़ी केर बेटी आइ देशक केको हिस्सा मे अप्पन प्रतिभा स सितामढ़ी नैय बल्कि संम्पूर्ण मिथिलाक गौरवांवित क रहल छैथ।एही कड़ी मे प्रतिभा प्रिया के नाम सेहो जुइर गेल अछि।प्रिया अप्पन नामक अनुसार सेहो केको प्रतिभा मे धनी अछि।सीतामढ़ी जिलाक रून्नीसैदपुर प्रखंडक अधरी गांवक प्रिया अप्पन प्रतिभा के बदोलत दिल्ली मे रैह क रोज दिन सेलिब्रिटी सब के फिटनेसक ट्रेनिंग द रहल छैथ।एही सेलिब्रिटी सब मे फ्लिम स्टार सहित इंन्टरनेशनल लेवलक विभिन्न क्षेत्रक खिलाड़ी सब सेहो सामिल अछि।प्रतिभा उर्फ शिल्पी राज्यस्तरक बैडमिंटन केर खिलाड़ी सेहो रैह चुकल छैथ।प्रतिभा अखन तक फिल्म स्टार टाइगर श्रॉफ,स्पेनक बैडमिंटन खिलाड़ी,ओलंपिक गोल्ड मैडल विजेता कारलीना मैरिन,पीवी सिंधू,साइना नेहवाल,सहित सौ स अधिक सेलिब्रिटी सबके फिटनेसक ट्रेनिंग द चुकल छैथ।केको स्टार खिलाड़ी व अभिनेता सब सेहो अखन प्रिया स फिटनेसक ट्रेनिंग ल रहल छै।नेशनल मे ईस्ट जोन मे बीआर अंम्बेडकर बिहार विश्वविद्वायलय के दु बेर प्रतिनिधित्व क चुकल छैथ।अखन वर्तमान मे दिल्ली फाइव स्टार होटल ली मिरिडियन मे सेलिब्रिटी फिटनेस इंस्ट्रक्टर अछि।गोआ के राज्यपाल मृदुला सिन्हा के हाथ स प्रेरणा आवार्ड स सम्मानित भ चुकल छैथ।प्रतिभा केर पिताजी मणिभुषण शर्मा व माता शारदा शर्मा मुजफ्फरपुर मे होस्टल चलबैय छैथ।अथरी हाईस्कूल ओर एमडिडिम कालेज स परहैय बाली प्रतिभा अप्पन कोलेज दिन स ही बहुत प्रतिभावान छेलैथ।