मधुबनी:[प्रणव चौधरी] मधुबनी जिलाक कलुआही थाना क्षेत्रक पुलिस एगो फर्जी IRS अधिकारी केर गिरफ्तार केलैथ यै।उक्त अधिकारी अपने आप के आईआरएस अधिकारी बताबैय बला रोहित कुमार नाम के व्यक्ति गांवक लोग सबके ठगैय के काम करैत छेलैथ। अपना आप के यी 2017 बैच केर अधिकारी बता क अधिकारी और आम लोग सब स सेहो भेट घाट करैत छेलैथ ओर फर्जी अधिकारी बैनक मोट रकम ठगबाक काज करैत छेलैथ। गौरतलब इ अछि कि रोहित कुमार मधुबनी जिलाक ननार गांव केर निवासी अछि। जखन की असली रोहित कुमार फिलहाल अखन ट्रेनिंग में छैथ। फर्जी रोहित कुमार के कलुआही थाना पर सदर एसडीओ सुनील कुमार सिंह व सदर एसडीपीओ कामिनी वाला पूछताछ केलैथ यै।