दरभंगा [सुमित]:- 50,000 क आबादी बला माऊँबेहट गाँवक लोग आजुक समय मे सेहो शिक्षा,स्वास्थ्य,सड़क जहैत मुलभुत सुविधा स वंचित छैथ।केंद व राज्य सरकारक ओर स किछु बुनियादी सुविधा उपलब्ध करेबाक ल क नाना प्रकारक योजना त चलाओल जा रहल अछि, मुदा एही गांवक हकीकत एही सबस विपरीत अछि।सबस विकट समस्या एही गांवक बच्चा केर गुणवत्तापूर्ण शिक्षा भेटबाक ल क अछि।विद्यालय में भवन और शिक्षक केर अभाव अछि।भवनक अभाव में एही गांवक एकमात्र प्लस टू उच्च विद्यालय हेलीपेड पर चैल रहल अछि।एही गाँव में जल निकलबाक लेल नाली के कोनो व्यवस्था नैय अछि। बरसातक समय में रोड सब पैन में डूइब जाइत अछि।रोजगार केर अभाव में लोग सब पंजाब,हरियाणा,महाराष्ट्र व ओर कैको राज्य के पलायन क रहल छैथ।किसान सबहक खेतक सिंचाई के व्यवस्था नदारत अछि।स्वास्थ्य केंद्र बंद रहैय स लोग स्वास्थ्य सेवा स वंचित रहैय छैथ।बीमार होबअ पर गाँवक लोग सात किलोमीटर दूर मनीगाछी पीएचसी इलाजक लेल जाइत छैथ। पशु चिकित्सा केंद्रक सेहो अभाव अछि।एही गाँव में कमाली टोला स नब्बी चौक होइत उच्च विद्यालय तक प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना स बनैय बला सड़कक निर्माण 6 वर्ष में सेहो पूरा नैय भ सकल हन।
माऊँबेहट गाँवक समस्या के लक मिथिला स्टूडेंट यूनियनक सुमित माऊँबेहटिया ओही गाँवक लोग स गाँवक समस्या पर बात केलैथ। जेहिमे गाँवक लोग सब खुइलक अप्पन समस्या के रखलैथ ।और गाँवक लोग सब कहलैथ कि प्रधानमंत्री आवास योजना में बिचौलियौ द्वारा आवास सहायकक साथ मिल क लूटखसोट करबाक सेहो सुचना भेटल हन।एही सब के कारण ग्रामीण में रोष अछि।यी गाँव बाढ़ग्रस्त क्षेत्र में सेहो आबैय यै। पिछला साल एही गाँवक खेत सब में बाइढ़क पैन आबैय स खेत सबहक फसल नष्ट भ गेल छल ,जेहि पर ने त स्थानीय नेता कोनो सुबिधा किसान के दिया सकलैथ और ने ही कोनो सरकार।और सबस पैघ समस्याक बात यी अछि कि 50,000 हजारक आबादी बला गाँव में शिक्षा ,स्वास्थ्य ,रोजगार,सड़क, इत्यादि चीजक अभाव अछि।जे की दुर्भाग्यपूर्ण अछि।और एही पंचायतक प्लस टू उच्च विद्यालय भवनक अभाव में हेलीपैड पर चलाओल जा रहल अछि।
एही सब बात पर ने कोनो स्थानीय नेता कोनो तरहक पहल क रहल छैथ, और ने कोनो सरकारी विभागक पदाधिकारी।
स