पटना : पटनामे ओला, उबर केँ बाद आब 'गंगा' एप्प अहाँक मदैत वास्ते शीघ्र उपलब्ध होयत। ई सुविधा शुरुआतमे दू अगस्तसँ राजधानी पटनाके तीन टा रेलवे टीशन जाहिमे पटना जंक्शन, राजेन्द्रनगर आ दानापुर जंक्शनसँ शुरू कयल जायत। 'गंगा' एप्प द्वारा टैक्सी, ऑटो आ दू पहिया केर सुविधा अहि तीनू टीशनसँ शीघ्र उपलब्ध कराओल जा रहल अछि। ओला, उबर जेना यात्री लोकनि अपन जरूरत केर हिसाबे गंगा एप्पसँ टैक्सी, ऑटो वा दू पहिया वाहन आरक्षित करा सकताह। ई बुकिंग ऑनलाइन केँ संग-संग ऑफलाइन सेहो काज करत। टीशनके पार्किंग क्षेत्रमे अहि योजना वास्ते अलगसँ जगह निर्धारित कयल गेलैक अछि। ई जगह टीशनके पार्किंग क्षेत्रक ठीक बगले में रहत। जनतब हो जे बैंगलोरके कंपनी स्मार्ट कम्युनिकेटिंग सर्विस द्वारा ई सेवा केर शुरुआत कयल जा रहल अछि। अहि सेवा वास्ते ऑटो संघ केर मदैत सेहो लेल जा रहल अछि।
कंपनीके कार्यकारी निदेशक (ईडी) रामसुंदर प्रसाद सिंह उर्फ बउआजी जनौलनि जे अहि सेवा लेल एप्प सेहो तैयार भए गेल अछि।
बिहार ऑटो संघक सचिव नवीन कुमार मिश्रा बतौलनि अछि जे एखन धरि 50 सँ ज्यादा दू पहिया आओर ऑटो अहि सेवामे जुड़ि चुकल अछि। बहुतरास टैक्सी मालिक संग करार सेहो भए चुकल छैक। दू अगस्तके डीआरएम रंजन प्रकाश ठाकुरकेँ उपस्थितिमे अहि सेवा केर उद्घाटन कयल जेबाक जनतब भेटल अछि।
विदित हो जे ई सेवा 24 घंटा उपलब्ध रहत। ईडी बतौलनि अछि जे आरम्भमे अहि सेवा केर शुरुआत शहरक तीन टा रेलवे टीशनसँ कयल जायत जाहिमे पटना जंक्शन, राजेंद्रनगर आ दानापुर शामिल अछि। अहि तीनू टीशन पर ई सुविधा 24 घंटा उपलब्ध रहत।
उल्लेखनीय अछि जे बेंगलोरमे अहितरहक सुविधा यैह कम्पनी द्वारा देल जा रहल अछि। अहि सुविधाके सेवा लेनिहार ग्राहक लोकनिक यात्रा अनुभव सँ जुड़ल फीडबैक सेहो कम्पनी लेत जाहिमे भेटल शिकायत आओर सुझावके कंपनी गम्भीरपूर्वक लैत समुचित सुधार सेहो करत। टैक्सी, ऑटो आ दू पहिया चालक केर पुलिस सत्यापन सेहो कयल जायत। वर्तमानमे भाड़ा निर्धारित करबाक काज अंतिम चरणमे अछि जे सम्भवतः अगिला दू-तीन दिनमे निर्धारित भए जायत। शुरुआतमे अहि तीनू टीशन पर 40 गोट गाड़ी जाहिमे टैक्सी, ऑटो आओर दू पहिया शामिल अछि उपलब्ध कराओल जायत।