मुजफ्फरपुर : भारतीय रेलक अजब-गजब खिस्सा सभ लगातार सुनबाक लेल भेटैत रहैत अछि। एहिबेर किछु एहन समाद सोझाँ आयल अछि जे भारतीय रेल आ एकर व्यवस्था पर सीधा सवालिया निशान लगाबैत अछि। यात्रा और यात्रीकेँ कोन तरहें परेशान कयल जाएत छैक से कने अहूँसभ पढियउ।
आब स्टेशन पर ठार रेलगाड़ीकेँ चलेबाक लेल कउनो सिग्नलक इंतजार नहि बल्कि लोको पायलट आ गार्डक इंतजार करै पड़ैत छैक। सिग्नल भेटलाक बादो गार्ड आ लोको पायलटके तैनाती नहि होबाक कारणे ट्रेन स्टेशने पर ठार रहैत छैक। हालहिं अहितरहक कतेकोरास लापरवाही देखबाक लेल भेटल होयत।
विदित हो जे प्लेटफार्म संख्या पाँच सँ दुपहर तीन बजे पाटलिपुत्र जाय बला डीएमयू ट्रेनके चलेबाक लेल स्टेशनमास्टर अपन पूरा तैयारी कय लेने छलाह। दुपहर 2:55 बजे स्टेशनमास्टर क्रू लॉबी कार्यालयमे इंचार्जकेँ गार्ड आओर लोको पायलटकेँ इंजन पर तैनात करबाक लेल कहलनि। तकरा बाद पैनल केबिनके कर्मी लोकनिकेँ सिग्नल देबाक लेल कहल गेलनि। पैनलकर्मी द्वारा केबिनसँ सिग्नल देलाक बादो ट्रेन प्लेटफार्म पर जस केर तस ठार छल। पाँच मिनट धरि ट्रेनके प्लेटफार्मसँ नहि खुललाक बाद पता केलापर गार्ड आ लोको पायलटकेँ स्टेशन स्थित एसी कार्यालयमे आराम करैत पाओल गेलैन्ह। मामलाकेँ बढ़ैत देखि स्टेशनमास्टर दौड़कय क्रू लॉबी कार्यालयमे इंचार्जसँ यथाशीघ्र ठार इंजन पर लोको पायलट आओर गार्डके पठेबाक लेल कहलनि।
जनतब हो जे अहि लापरवाहीकेँ कारण मौर्य एक्सप्रेस जे हाजीपुर रेलमार्गसँ आबि रहल छल ओकरा माड़ीपुरमे 20 मिनट धरि रूकै पड़लैक आ उक्त ट्रेन स्टेशन पर देरीसँ आयल। रेलकर्मी अनुसार क्रू लॉबी कार्यालयमे एक घंटा पहिने लोको पायलट आओर गार्डकेँ साइन कयल गेल छल मुदा दुनूगोटे ट्रेनमे जेबाक बदला आराम कय रहल छलाह। अहितरहक स्थिति प्रायः रोज रहैत छैक। रेलकर्मी लोकनिक अहितरहक लापरवाहीकेँ कारण रोज अनेकों ट्रेन अपन गंतव्य धरि देरीसँ पहुँचैत अछि आओर एहिसँ आम जनमानस एवं यात्रीकेँ भारी दिक्कतक सामना करै पड़ैत छन्हि।