बिहटा : माय-बाप कोन तरहें अपन संतानक भरण-पोषण करैछ ई जगविदित अछि। तखन तs आजुक समयमे किछु असंभव नहि सन प्रलच्छित भs रहल अछि। किछु एहने घटना बिहटा प्रखंडके बेचू टोलामे भेलैक अछि। जाहि बेटा केर खूब दुलार-प्यारसँ पैघ केलकइन्ह वैह बेटा पिताके पेंशनमे हिस्सा नहि भेटबाक कारणे अपन माय-बाप केर हत्या कय फरार भए गेल। ओतहि ग्रामीण लोकनि आरोपी केर गिरफ्तारी केँ माँग करैत सात घंटा धरि लहाशकेँ उठै नहि देलनि।
विदित हो जे बेचू टोला निवासी मुनरिका राय जे 70 बरिखक छलाह, रेलवे सँ अवकाशप्राप्त छलाह। मंगलदिन केँ रातिमे मुनरिका राय घरकेँ बाहर आ हुनक कनिया फुलदेवी जे 68 बरिखक छलीह, दुहाइर पर सुतल छलीह। हिनकर पैघ बेटा अपन परिवारके संग ऊपर छत पर सुतल छलाह। रातिकय संभवतः 12 बजे गोली चलबाक आवाज सुनि ऊपर छत सँ दौड़ल नीचा एला पर ओ अपन छोट भाई अवधेश राय आ ओकर सार एवं किछु अनजान लोककेँ हथियार घुमाबैत भागैत देखलनि आ माय-बापकेँ लहाश पड़ल छल। तदोपरांत हुनका हल्ला कयला पर आरओ ग्रामीण लोक सभ सेहो जमा भए गेल आ सभलोक अवधेशक घर पर हमला कय देलनि मुदा राति केर माहौलक फायदा उठा आरोपी भागबमे सफल रहल।
ओम्हर घटनाके जानकारी भेटला पर बिहटा थाना प्रभारी रंजीत कुमार सिंह, नेउर थाना प्रभारी प्रशांत कुमार अपन दल-बल केँ संग पहुँचलाह। पुलिस दुनू लाहशकेँ अपन कब्जामे लेबैक कोशिश कएलनि तs तमशायल ग्रामीण आरोपी अवधेश केँ गिरफ्तारी केर माँग करैत लहाशके 7 घंटा धरि उठै नहि देलनि। तदोपरांत पुलिस अधिकारी आ समाजसेवी लोकनि द्वारा समझेला-बुझेलाक बाद ग्रामीण सभ शांत भेलाह तकरा बाद लहाश उठाओल गेलैक। तकरा बाद पुलिस उक्त दुनू लाहशकेँ पोस्टमार्टम कय परिवारके पुनः लौटा देलनि।
ग्रामीण केँ मोताबिक दुनू भाईमे आपसी विवाद छलनि। मुनरिका राय केँ दुनू बेटा रमेश राय आ अवधेश राय जे पटना स्थित निजी लोहा फैक्ट्रीमे दिहाड़ी मजदूर छथि, दुनू भैयारीमे विवाद रहलाक कारणे हुनक पिता बड्ड पहिनइये पैतृक संपत्ति केर बंटवारा कय देने छलाह। छोटका बेटा आओर पुतौहक दुःख देनाय सँ तंग आबि दुनू बूढ़ पति-पत्नी अपन पैघ बेटाक संग रहै लगलाह। मुनरिका राय केर नौकरी सँ रिटायर भेलाक बाद भेटै बला पेंशन पर अवधेशके नजैर छलनि, सदिखन पेंशनक टकाके लेल ओ अपन माय-बाप सँ गारा-गारी आ मारि-पिट करैत छल। एक सप्ताह पहिने अवधेश राय पितासँ पेंशनक टका माँगने छलनि। अवधेश राय पर आरोप छन्हि जे पेंशनक टका नहि भेटला पर ओ अपन पिता केर संग गारा-गारी कयलक संगहि जानसँ मारबाक धमकी सेहो देने छल। नेउरा थाना प्रभारी प्रशांत कुमार कहलनि जे पारिवारिक झंझैट केँ कारण ई घटना भेल अछि। आरोपी केँ जल्दिये पकड़ि लेल जायत।