दरिंदगी केँ हद भेल पार, दस बरिखक मासूम सँ गैंगरेप कय हत्या, विरोध केलापर दुनू आँखि फोरि छोट भाईकेँ उतारलक मौतक घाट

मुजफ्फरपुर : बिहारमे दुष्कर्मक घटना दोनोदिन बढ़िते चलल जा रहल अछि। मुजफ्फरपुरमे भेल एकटा एहने कुकृत्यसँ समूचा बिहारमे हड़कंप मची गेल अछि। ई घटना सरैयाके पारू थानाक लालू छपरा गाममे बीतल रविदिन घटल जाहिमे 10 बरिखक मासूम बच्चिया संग पहिने तs दुष्कर्म कयलक फेर ओकर हत्या आ तकरा बाद विरोध केलापर ओहि बच्चियाक छोट भाईकेँ दुनू आँखि फोरि मौतकेँ घाट उतारि देल गेल। आरोपी दुनू लहाशकेँ गामक बीचसँ बहि रहल 'वाया' नदीकेँ जंगलझारमे फेंकिकय भागि गेल। दुनू बच्चा सरैया थानाक्षेत्रक एकटा गामके छल। बेसिकाल बाहर रहलाक बाद जखन साँझमे बच्चाक खोजबीन भेलै तs दुनूकेँ लहाश भेटल। तदोपरांत अहि घटनाके सम्बन्धमे मृत बच्चाक पिता सरैया थानामे एफआईआर केँ लेल आवेदन देलनि। 

आवेदनमे लालू छपराकेँ लाला ठाकुर, बेटा विकास ठाकुर आओर फरीद साईं केँ नामजाद कयल गेल छन्हि। मृत दुनू बच्चाक पिता जनौलनि जे 10 बरिखक बेटी आ 8 बरिखक बेटा रविदिन खेलैत-खेलैत नदी दिशन चलि गेल। नदीके ओहिपार लालू छपरा गाममे जामुनक गाछ छैक जेतए दुनू बच्चा जामुन खेबाक लोभमे चलि गेल छल। ओतहि लाला ठाकुर संग तीनू आरोपी बच्चियाके पकैर दुष्कर्म कयलक आ ओकर छोट भाई केँ विरोध केलापर बेरहमी सँ पिटलाक बाद दुनू आँखि फोरि हत्या कय देलक। एतबा नहि साबुत मिटेबाक लेल पीड़ित बच्चियाके हत्या सेहो कय देल गेल। जनतब हो जे दस दिन पहिने मृत बच्चाकेँ माय संग लाला ठाकुरकेँ कउनो झंझैट सेहो भेल छलनि। 

एम्हर अहि घटनासँ समूचा गाममे हड़कंप मची गेल अछि। जनतब भेटला पर सरैया थानाध्यक्ष मो. अलाउद्दीन अपन दल-बलक संग घटनास्थल पर पहुँचिकय छानबीन कयलनि। ताबत दुनू बच्चाक लहाश हुनकर परिवार अपन घर लएके आबि गेल छलाह। प्रशासन गाम पहुँचि आरोपित लोककेँ जल्दिये गिरफ्तार करबाक आश्वासन दs तमशायल लोककेँ शांत करौलनि आ तकरा बाद दुनू लहाशकेँ पोस्टमार्टम लेल एसकेएमसीएच पठा देल गेल। 

सरैयाके एसडीपीओ डॉ. शंकर कुमार झा जनौलनि जे दुनू बच्चाके खूब मारी-पिटकय हत्या कयल गेल छन्हि। लहाश पोस्टमार्टम हेतु पठा देल गेल अछि आ पोस्टमार्टम रिपोर्ट एलाक बादे दुष्कर्मक पुष्टि होयत। वर्तमानमे पुलिस मामलाके छानबीन कय रहल छथि।

एसएसपी हरप्रीत कौर कहलनि अछि जे पीड़ित परिवार लाला ठाकुर आओर दोसर दू टा लोकपर दुनू बच्चाक हत्याके आरोप लगौलनि अछि। विदित हो जे ई लाला ठाकुर वैह छथि जिनकर जमीन किछुएक दिन पहिने अदालतके आदेश पर प्रशासनसँ मुक्त कराओल गेल छल।