समूचा बिहारमे सुखार, नीतीश सरकार डीजल सब्सिडीमे 10 टाकाक कयलनि बढ़ोतरी

पटना : समूचा बिहारमे सुखारक स्थिति केँ देखैत सरकार किसानकेँ पटौनी वास्ते डीजल सब्सिडीमे 10 टाकाक प्रति लीटर बढ़ोतरी करबाक निर्णय पर अंतिम मोहर लगा देलनि अछि। आब डीजल पर 40 टाकाक स्थान पर 50 टाका प्रति लीटरकेँ सब्सिडी देल जायत। जनतब हो जे ई निर्णय मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकेँ अध्यक्षतामे मंत्री आओर अधिकारी लोकनिक उच्चस्तरीय बैसारमे लेल गेल। एहिबेर समूचा राज्यमे सामान्यसँ 48 टाका कम बारिश भेलैक अछि। मुख्य सचिव दीपक कुमार बतौलनि जे किसान लोकनिकेँ सोमदिनसँ डीजल सब्सिडी भेटै लगतनि। 

एकर अलाबा खेती-पथारी काजक लेल बिजलीकेँ दमामे सेहो कमी कयल गेलैक अछि। ई दाम वर्तमानमे 96 पैसा प्रति यूनिट छैक जे आब 75 पैसा प्रति यूनिटक हिसाबसँ लेल जायत। खराप ट्रांसफार्मर सभकेँ बदलबाक समयसीमा जे पहिने 72 घंटा छल तकरा सेहो 48 घंटा कय देल गेलैक अछि। गामघरक इलाकामे 18 घंटा धरि बिजली उपलब्ध करेबाक निर्णय सेहो लेल गेल छैक। 

कृषि विभागक अधिकारी लोकनिकेँ गामघर घूमि आ खेतिहर लोकनिसँ गपकय हालतकेँ जानकारी लेबाक लेल कहल गेलनि अछि। कम बारिश बला इलाकामे खेतिहर सभकेँ 28 जुलाई धरि वैकल्पिक फसलके बिया  बाँटबाक सेहो निर्देश देल गेलनि संगहि पब्लिक हेल्थ एंड इंजीनियरिंग डिपार्टमेंटकेँ वर्तमानमे 175 केँ जगह पर 500 टैंकर पैन खेतिहर लोकनिकेँ देबाक गप कहल गेल अछि।