सीतामढ़ी : सीतामढ़ीमे दिने-देखाड़ चीनी मिल मजदूर यूनियन केर अध्यक्षकेँ गोली मारिकय हत्या कए देल गेल। ई घटना ओहिसमय भेल जखन ओ व्यक्तिगत काजसँ सीतामढ़ीमे कतहु जा रहल छलाह। अहि घटनाक बाद तमशायल चीनी मिल मजदूर यूनियन आओर स्थानीय लोक लहाशकेँ संग रास्ता जामकय देलनि अछि।
भेंटल खबैरक हिसाबसँ रीगा थाना क्षेत्रकेँ गणेशपुर गाम केर नजदीक रीगा-सुप्पी पथ पर लचकाकेँ बगले में रविदिन भिनसरे मोटरसाइकिल सवार अपराधी सभ चीनी मिल मजदूर यूनियन केँ अध्यक्ष ओमप्रकाश राय पटेल केर गोली मारिकय हत्या कए देलकइन्ह। अध्यक्ष ओमप्रकाश 45 बरखक छलाह। घटना रविदिन भिनसर 10 बजे तखन भेलैक जखन अध्यक्ष ओमप्रकाश अपन मोटरसाइकिलसँ रीगा-सुप्पी रास्ता पर जा रहल छलथि। गणेशपुर लचका केर नजदीक मोटरसाइकिल पर बैसल दू टा अपराधी यूनियन अध्यक्षक मोटरसाइकिलकेँ ओवरटेक कए रोकिकए चारि टा गोली मारि देलकइन्ह।
घटनाक बाद स्थानीय लोक सभ गंभीर अवस्थामे सदर अस्पताल लए गेलनि जेतहि डागडर हुनकर हालत खराब देखि श्रीकृष्ण मेडिकल कॉलेज अस्पताल (एसकेएमसीएच), मुजफ्फरपुर रेफर कए देलकइन्ह मुदा लोक सभ गंभीर हालत देखिकय शहरकेँ निजी नर्सिंग होममे लए गेलनि। ओतहि गेलाक बाद डागडर अध्यक्ष ओमप्रकाशकेँ मृत घोषित कए देलकइन्ह।
जनतब हो जे मृतक रीगा थाना क्षेत्रकेँ गणेशपुर बभनगामा पंचायत केर उतरवारी टोलाकेँ रहनिहार छलाह। हुनकर नौकरी चीनी मिलमे छलनि। मृतक ओमप्रकाश बीतल 6 बरखसँ चीनी मिलके कुसियार विभाग केर कर्मचारी छलाह। एहिठाम बता दी जे ओमप्रकाश पछिला 4 बरखसँ रीगा चीनी मिल मजदूर यूनियन अध्यक्ष पद पर निर्विरोध चुनल आबैत रहल छलाह। ओ सदिखन मजदूरकेँ वास्ते आवाज उठबैत छलाह। हालहिं मिलमे मजदूर सभ द्वारा हड़ताल कएल गेल छल जाहिमे हिनकर प्रयाश सराहनीय छलनि। अहि हड़तालमे मिल मालिकसँ विवाद सेहो भेल छलनि। बताओल जा रहल अछि जे ओमप्रकाश केर हत्याक धमकी सेहो भेटल छलनि जेकर सूचना ओ पुलिसकेँ सेहो देने छलाह मुदा पुलिस कउनो तरहक कार्यवाही नहि कएलक जाहि बीच हुनकर हत्या भए गेलनि।