मुम्बई : फोरफॉक्स फिल्म्स द्वारा नवनिर्मिति मैथिली सिनेमा 'लागल प्रीत अहाँसँ' शीघ्रहिं सिनेमाघरमे आबि रहल अछि। महाराष्ट्रके मुम्बई स्थित गोरेगांवमे आगामी 20 अप्रैल 2018 केँ दर्शक लोकनिक बीच अहि सिनेमाके प्रदर्शित कएल जेबाक खबैर भेटल अछि। गोरेगाँव केर चर्चित मल्टीप्लेक्स मूवी टाइममे, जे हब मॉल में स्थित अछि ओतहि संध्या शो केर रूपमे साँझ 6 बजेसँ रात्रि 9 बजे धरि अहि सिनेमाकेँ देखाओल जायत।
जनतब हो जे 'लागल प्रीत अहाँसँ' एकटा आधुनिक तकनीकीसँ सजल मैथिली सिनेमा अछि, हालहिं में खूब चर्चित भेल मैथिली धारावाहिक 'मास्टर साहब' केर निर्देशक अभिराज झा द्वारा निर्देशित, प्रसिद्ध मैथिली संगीतकार सुरेश आनंद आ उदय नारायण झा केर कर्णप्रिय संगीत सँ सजल अहि सिनेमाक बाट दर्शक लोकनि अतिशीघ्रतासँ ताकि रहलाह छथि।
अहि सिनेमा केर मुख्य पात्र दीपक झा, पल्लवी शर्मा, मनोरंजन झा, सुमन झा, मंजीत गुप्ता, कल्याणी झा, पी के चौधरी, अनूप सत्यनारायण झा, अभिराज झा संगहि राकेश सिंह राणा छथि।
एहिठाम बता दी जे अहि सिनेमाकेँ देखबाक वास्ते टिकस बुकिंग पहिनेसँ भए रहल छैक। जौं अहूँ सभ इच्छुक छी तs बिना देरी कएने 7506397440 व्हाट्सएप्प नम्बर पर अपन टिकस आरक्षित करा सकैत छी।
किछुए दिन पहिने 'लागल प्रीत अहाँसँ' केर ट्रेलर रिलीज भेल छल। जेकरा दर्शक लोकनि खूब प्रशंसा कएलनि। ट्रेलर देखि सिनेमा देखबाक उत्सुकता स्वाभाविक छैक। ताहि हेतु एडवांस बुकिंग करेबाक व्यवस्था सेहो कएल गेलैक अछि। सिनेमामे गुणवत्ता आओर तकनीक पर विशेष ध्यान राखल गेल छैक।