पटना : इराक जे युध्द सँ प्रभावित देश अछि ओतहिसँ छः टा में सँ पाँच टा बिहारकेँ रहनिहार लोकक लहाश केर अवशेष केंद्रीय विदेश राज्य मंत्री वी के सिंह विशेष विमानसँ लएके सोमदिन साँझमे पटना हवाई अड्डा पहुँचलाह। पटनामे बिहारकेँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पुष्प चक्र अर्पित कए मृतक केर श्रद्धांजलि अर्पित कएलनि संगहि दिवंगत आत्मा केर शांति वास्ते भगवान सँ प्रार्थना सेहो कएलनि। मृतकमे पाँच टा लोक बिहारकेँ सिवान जिलाकेँ रहनिहार छथि। सिवानकेँ रहनिहार सुनील कुमारक लहाश जखन आयल तखन हुनक परिवार ओकरा लेबासँ साफ मना कए देलनि। परिवारक माँग छन्हि जे पंजाब सरकारे जहिना हमरो सही मुआवजा आओर सरकारी नौकरी देल जाय।
ओतहि इराकमे मारल गेल विद्याभूषण केर लहाशक अवशेष भिनसर हुनकर पैतृक घर सिवान आनल गेलनि। जकरा बाद समूचा घरमे मातम पसरि गेलैक।
केंद्रीय विदेश राज्य मंत्री सिंह पत्रकार लोकनिसँ कहलनि जे इराकमे मारल गेल बिहारकेँ छः लोकमेँ सँ पाँच टा केर डीएनए मिलान शत-प्रतिशत भए गेल छैक बाँकी एकटा जिनकर नाम राजू यादव केर रूपमे अछि हिनकर डीएनए मिलान पूर्ण रूपेण एखन धरि नहि भेल अछि।
जनतब हो जे नीतीश सरकार राज्यक गृह विभागकेँ मृतक केर परिवारसँ सहायता रूपे पाँच-पाँच लाख टका देबाक निर्देश देलनि अछि। मुख्यमंत्री श्री कुमार अहि मदैत केर अलावा अतिरिक्त मुख्य सचिवकेँ परिवारकेँ देल जेबाक मदैतक संबंधमे प्रस्ताव तैयार करबाक निर्देश सेहो देलनि अछि।
विदित हो जे श्रम संसाधन विभाग मृतक परिवारकेँ एक-एक लाख टकाक मदैत राशि पहिने उपलब्ध करा चुकल छथि। हवाई अड्डा पर उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी, कृषि मंत्री प्रेम कुमार, स्वास्थ्य मंत्री मंगल पांडेय, श्रम संसाधन मंत्री विजय कुमार सिन्हा, विधान पार्षद संजय मयूख, पुलिस महानिदेशक एस के द्विवेदी, गृह विभाग केर मुख्य सचिव दीपक कुमार सिंह, मुख्यमंत्रीकेँ सचिव अतिश चंद्रा, जिलाधिकारी कुमार रवि, पटना पुलिस महानिरीक्षक नैय्यर हुसैन खान, वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक मनु महाराज समेत आरओ बहुतरास गणमान्य व्यक्ति एवं वरीय पदाधिकारी लोकनि उपस्थित छलाह।