मुम्बई : बॉलीवुड निर्देशक सुजाद इकबाल खान अपन फेसबुक पोस्टसँ जानकारी करौलनि अछि जे हुनकर आगामी सिनेमा 'मधुबनी - द आर्ट ऑफ लव' केर शूटिंग बिहार, मधुबनीमे नहि बल्कि यूपी आ नेपालमे शुरू कएल जायत। पोस्टमे निर्देशक एकर पाछू कारण केर चर्चा कएलनि अछि जे किछु संस्था द्वारा लगातार सिनेमाक विरोधसँ हमर टीम डरि गेल छथि।
हालहिं में घोषणा कएल गेल हिंदी सिनेमा 'मधुबनी - द आर्ट ऑफ लव' पर चर्चा सर्वविदित अछि। भेटल जानकारी स्वरूप अहि सिनेमाक कहानी 'मिथिला पेंटिंग' पर आधारित अछि। सिनेमामे मिथिला पेंटिंग सँ जुड़ल कलाकार लोकनिक व्यथा केर चित्रण कएल जेबाक गप सिनेमाक कहानी केर लेखक सागर नाथ झा जनौलनि अछि।
जनतब हो जे 'मधुबनी - द आर्ट ऑफ लव' एकटा हिंदी सिनेमा अछि। सुजाद इकबाल खान केर निर्देशन आ हिंदी सिनेमाक स्क्रिप्ट राईटर सागरनाथ द्वारा कहानी लिखल गेल अछि। किछुए दिन पहिने अहि सिनेमाक मुख्य खलनायक केर दुःखद निधन भए गेलनि जिनकर नाम 'नरेंद्र झा' छल।