अपराधी अछि बेखौफ, लापता बचियाकेँ गर्दैन रेति कए देल गेल हत्या, खेतमे भेटल लहाश

दरभंगा, कुशेश्वरस्थान : दरभंगा जिलाक कुशेश्वरस्थान थानाके मैंठा गामक रहनिहार अरुण कुमार राम केर 11 बरखक बच्चिया अंशु कुमारीकेँ गर्दैन रेतिकए हत्या कए देल गेलैक अछि। अंशु सोमदिन साँझक पहर 7 बजेसँ गेहूमक खेतसँ निपत्ता छलीह। पुलिस लहाश भेटलाक बाद पोस्टमार्टम वास्ते डीएमसीएच पठा देलनि अछि। 

डीएसपी सुरेश कुमार जनौलनि अछि जे अहि घटनाक मादे छानबीन शुरू कए देल गेल अछि। बचियाकेँ संग दुष्कर्म होबाक मादे एखन धरि कउनो तरहक गप सोझा नहि आयल अछि। देह-हाथ पर कउनो तरहक निशान वा चोटकेँ दाग सेहो नहि देखायल अछि। पुलिसकेँ सेहो पोस्टमार्टम रिपोर्ट एबाक इंतजार छन्हि। 

भेटल समादकेँ हिसाबसँ अंशु सोमदिन साँझमे अपन बाबा राजो राम आओर परिवारक किछु लोकक संग खेत गेल छलीह। ओतहि थ्रेसरसँ गेहूमक दौनी होएत छलैक। बगल केर खेतमे अंशु शौच करबाक वास्ते गेलीह, जखन किछु देर बाद धरि ओ पाछाँ नहि एलीह तखन परिवारक लोक अंशु केर ताकै लगलाह मुदा ओ कतहु नहि भेटलनि।

परिवारक लोक अहि गपक समाद गामक लोक आ पुलिसकेँ देलनि। समाद भेटैते डीएसपी सुरेश कुमार आ कुशेश्वरस्थान थाना अध्यक्ष राशिद परवेज पुलिस आ गामक लोक संग राति भरि अंशु केर ताकलनि मुदा बच्चियाके कतहु अता-पता नहि लगलनि।

मंगलदिन 11 बजेक आसपास घरकेँ लोक मकई खेतक मेड़ पर बच्चियाके लहाश देखलनि। ओहि बच्चियाके गर्दैन रेतिकए हत्या कए देल गेल छलैक। परिवारक लोक तुरंत अहि बातक खबैर पुलिस केर देलनि। डीएसपी आओर थाना अध्यक्ष घटनास्थल पर जाकय अहि मामलाकेँ छानबीन कएलाह। जनतब हो जे घटनास्थलसँ पुलिसकेँ हत्यामादे उपयोग कएल गेल चक्कू आओर जमीन पर खूनक दाग सेहो भेटलनि अछि।

डीएसपी सुरेश कुमार बतौलनि जे फॉरेंसिक जाँचक लेल स्पेशल टीमके बजाओल गेल अछि। शीघ्रहिं अहि घटनाकेँ खुलासा कए अपराधी केर पकड़ि लेल जायत। 

विदित हो जे अहि घटनाक बाद आसपासक माहौल गमगीन भए गेल अछि। लोक सभमे डर समा गेल छन्हि। पीड़ित परिवारक ऊपर दुःखक पहाड़ टूटि पड़लनि अछि।