नई दिल्ली : बिहार बीजेपी अध्यक्ष नित्यानंद राय साइबर पुलिसमे अपन शिकायत दर्ज करौलनि अछि। श्री राय केर कहब छन्हि जे फोटोशॉप केर मदैतसँ हमर फेसबूक अकाउंटसँ आपत्तिजनक सनेश पसारल जा रहल अछि। बिहार बीजेपी अध्यक्ष केर शिकायत तखन आओल जखन सोशल मीडिया पर किछु दिनसँ एहन सनेश वायरल भए रहल अछि जाहिमे सांसद द्वारा महिला सबसँ अश्लील गप करैत देखाओल जा रहल अछि।
बीजेपी अध्यक्ष कहलनि अछि जे पछिलो बरख अगस्त मासमे सेहो अहितरहक मामला हमरा संग भेल छल आ हम ओहू समय पुलिसमे अपन शिकायत दर्ज करउने रही। आब एकबेर फेरो अहितरहक सनेश वायरल भए रहल अछि। श्री राय आगाँ बतौलनि अछि जे ओ पुलिससँ आग्रह कएलनि अछि जे अहितरहक अपराध केनिहार लोककेँ तुरंत पकड़ल जाय। जनतब हो जे जाहि लोककेँ हाथ अहितरहक मामलामे होबाक शंका अछि पुलिस ओहि चेहराके पहिचान कए लेलनि अछि। बीजेपी नेता एकर पाछू कउनो सियासी साजिश होबासँ मना सेहो नहि कएलनि अछि। बीजेपी अध्यक्षक नामसँ वायरल चैटमे महिला केर पार्टिमे पद दिएबाक ऑफर दैत देखाओल जा रहल अछि।
जनतब हो जे सोशल मीडिया पर अहितरहक घटना सर्वविदित अछि। कउनो आपत्तिजनक गपकेँ वायरल कए कउनो व्यक्तिकेँ चेहरा धूमिल करबाक मंशा एकर पाछू केर मुख्य कारण रहैत छैक।