गुजरात, वापी : हरेक साल जहिना एहिबेर सेहो मिथिला विकास मंडल वापी केर तत्वावधानमे बाबा विद्यापति पर्व समारोहकेँ भव्य आयोजन कएल जेबाक समाद भेटल अछि। ई आयोजन 06 मई, 2018 रविदिन संध्या 4 बजेसँ वी आई ए सभागार, जी आई डी सी, चारि रास्ता वापीमे निर्गत कएल गेल अछि।
कार्यक्रमक प्रारूप पर प्रकाश दैत आयोजक लोकनि जनौलनि अछि जे ई आयोजन पूर्णतः मैथिलीमे होयत। अहि आयोजनमे हमरा लोकनि कउनो विशिष्ट अतिथि वा सम्मानमूर्ति केर आमंत्रित नहि केलहुँ अछि आ नहिए भविष्यमे एहन तरहक कउनो विचार अछि। आगाँ कहलनि जे सभागारमे उपस्थित सभ आगंतुक हमरा सभक विशिष्ट अतिथि हेताह। उपस्थित जनमानसमे जे सबसँ ज्येष्ठ वृद्ध लोकनि हेताह हुनके हाथे दीप प्रज्वलित कए कार्यक्रम केर श्री गणेश कएल जायत।
कार्यक्रममे सांस्कृतिक गीतनाद आ मैथिली लोकगीत केर सेहो व्यवस्था कएल गेल अछि। एकसँ एक मैथिली कलाकार लोकनि आमंत्रित छथि जाहिमे मनोरंजन झा, रश्मिप्रिया, सर्वेश झा, हीरा हमराही संगहि प्रसिद्ध गायक श्यामानंद झा छथि। ओतहि मंच संचालन वास्ते नव आ चर्चित हास्य कही वा साहित्यिक सबतरहें निपुण उद्घोषक रोशन मिश्राकेँ आमंत्रित सेहो कएल जेबाक समाद आयोजक लोकनि देलनि अछि।
विदित हो जे मिथिला विकास मंडल वापी हरेक बरख अहितरहक आयोजन करैत अछि जे पूर्णतः देशी अर्थात खाँटी मैथिलीमे रहैत छैक। आयोजनमे कउनो तरहक विशिष्ट पाहुन वा राजनैतिक अतिथि केर आमंत्रण नहि देल जाएत छैक। वृद्ध गार्जियन लोकनिक पान-मखान आ पाग सँ सम्मान करबाक परंपरा केर प्राथमिकता सँ मिथिला विकास मंडल द्वारा निभाओल जाएत रहल छैक। छोट धियापुता जे स्कूलमे प्रथम श्रेणीसँ सफल होएत छथि हुनका सभकेर सम्मान सेहो ई संस्था विगत कतेको बरखसँ करैत आबि रहल अछि।