बिहार केर द्वितीय राजभाषा मैथिली होई : डॉ. बैजनाथ चौधरी 'बैजू'

दरभंगा : मैथिली लोक सांस्कृतिक मंच केर तत्वाधानमे दरभंगाक रामाश्रय पब्लिक स्कूलमे शानिदिनसँ द्विदिवसीय मिथिला महोत्सवक आयोजन कएल गेल छल। कार्यक्रमकेँ उद्घाटन समारोहक अध्यक्षता डॉ. बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू' कएलनि। ओतहि कार्यक्रमक उद्घाटन क्षेत्रक सांसद कीर्ति झा 'आजाद' केर हाथों विधिवत सम्पन्न भेल। आयोजनकेँ मुख्य अतिथि शहरके महापौर बैजंती खेड़िया आओर विशिष्ट पाहुन हायाघाट केर विधायक अमरनाथ गामी छलाह। 

बैजनाथ चौधरी 'बैजू' मंचसँ अपन संबोधनमे मैथिली केर दोसर राजभाषा बनै पर विशेष जोर देलाह संगहि कहलाह जे मिथिला राज्य शीघ्रहिं हो आओर समूचा मिथिलामे राज-काजक भाषा सेहो मैथिली बनै। डॉ. बैजू प्राथमिक सँ उच्च स्तर धरिकेँ पाठ्यक्रममे मैथिली केर शामिल करबाक गप सेहो कहलनि संगहि मैथिली शिक्षक  केर बहाल सुनिश्चित कएल जाय ताहू पर अपन मोनक गप रखलाह। 

मंचक सचिव उदयशंकर मिश्र कहलनि जे राष्ट्रीय-अंतर्राष्ट्रीय अर्थात भारत-नेपाल दुनूठाम मैथिली केर दोसर राजभाषाक दर्जा भेटैक चाही। डॉ. मिश्र सेहो मिथिला राज्य, मिथिलामे सरकारी कामकाजमे मैथिली भाषा केर भूमिका, शिक्षा संगहि मैथिली शिक्षक केर बहाली पर बैद्यनाथ चौधरी जीक गप केर दोहरौलनि। 

जनतब हो जे मैथिली लोक सांस्कृतिक मंचक अहि द्विदिवसीय कार्यक्रममे डॉ. विद्या झा, डॉ. जय शंकर झा, डॉ. आयूब राइन, चंद्रेश, पत्रकार विनोद कुमार, डॉ. चंद्रशेखर झा, डॉ. सुधीर कुमार झा, डॉ. कैलाश कुमार मिश्र  सन गणमान्य व्यक्तित्व उपस्थित छलाह।