बियाह समारोहमे आयल कुटुंबकेँ चोरी भेल बाइक

सकरी : सोमदिन, 5 मार्चकेँ रात्रिमे छोटकी तरौनी निवासी कृष्णदेव साह केर पुत्र रामकुमार साहकेँ मोटरसाइकिलक चोरी भए गेलनि अछि। ई घटना सकरी थानान्तर्गत यादव टोल गामक अछि। 

जनतब हो जे सोमदिन रामकुमार साह अपन नातिनकेँ बियाहमे भाग लेबैक लेल गेल छलाह। जेतए गेलाह उपरांत ओ अपन मोटरसाइकिलके नारायण साह केर घरक दरबज्जा पर लगा देलनि। रातिके 11 बजे जेखन रामकुमार साह शौच करबाक लेल उक्त स्थान दिश एलाह तs देखलनि जे जेतए गाड़ी ठार कएने छलाह ओतहिसँ गायब छन्हि। आस-परोसमे खोजबीन कएलनि मुदा कउनो खबैर नहि भेटलनि। सर-कुटुम्ब केर सेहो पुछलनि मुदा ओतहु कउनो जानकारी नहि भेटि देखिकय रामकुमार बुझि गेलाह जे हमर मोटरसाइकिल कियो अज्ञात चोर चोरा लेलक अछि। 

अहि घटनाकेँ खबैर सकरी थानाके लिखित आवेदनकेँ रूपमे सेहो देल गेल छैक जाहिपर प्रशासन अपन आगाँक कार्यवाही करताह ई आशा संग साह अपन मोटरसाइकिल सँ जुड़ल सबतरहक जानकारी सेहो थानामे लिखित रूपे देबाक गप कहलनि अछि। चोरी भेल गाड़ी जेकर नम्बर BR32L5772 अछि। मोटरसाइकिलके नाम पैसन प्रो छन्हि जेकर रंग कारी छैक। चेसिस नम्बर MBLHA1DA6EHG26384 छैक आ इंजिन क्रमांक सेहो HA10ENEHG48213 छैक।

कउनो तरहक सूचना जौं अहिमादे हो तs पीड़ित केर मोबाइल क्रमांक 9570239610 पर सेहो गप कए सकैत छी.!!