सुपौल : दहेज लोभी दूल्हा आओर हुनक पिता समेत आन बाराती के बंधक बना लेल गेल। घटना राघोपुर थाना क्षेत्र के परसरमा गांव के अछि।
वरमाला के बाद लड़का पक्ष द्वारा दहेज में 81 हजार रुपया के मांग केएल गेल , एही स' नाराज लङकी पक्ष पाहिले त' विवाह स' इन्कार क' देलक , ताहिके बाराति के बंधक बनाक बाराती के आगत - भागत मे लागल खर्च के राशि मांग लागला। एम्हर लड़की के बिबाह राइतमें अलग लड़का स' दहेज मुक्त करवा देल गेल। दहेज मांगा वाला लड़का आओर वर पक्ष एखन तक बंधक बनल छैथ।
दरअसल बीरपुर के हृदयनगर स' राइत बाराती राघोपुर के परसरमा गांव आएल छल। दूल्हा व बाराती के पहुँचैत लड़की पक्ष द्वारा अपन सामर्थ्य के मुताबिक बाराति के स्वागत केएल गेल।
नाश्ता-पानी के बाद वरमाला के रस्म सेहो हिन्दू रीति रिवाज के साथ संपन्न भेल। लेकिन एही के बिबाह पर एकबैग ग्रहण आगि गेल। जखन दूल्हा बिबाह के आन विद्दा स पूर्व दहेज के मांग राखी आओर दहेज नै भेटबा पर बिबाह स मना क देलक।
मामला कानोंकान पसरला के उपरांत कीच लोक द्वारा एही के दबाब के प्रयास केएल गेल। लोक-लाज बचाबा हेतु लड़की पक्ष द्वारा वर पक्ष के समझाब - बुझबा के प्रयास केएल गेल , लेकिन नतीजा विफल रहल।