मुम्बई : बॉलीवुड केर दिग्गज कलाकार संगहि मिथिलाक लाल नरेंद्र झा जीकेँ मुम्बई केर वाडामे अंतिम संस्कार भए गेलनि। स्वर्गीय झाकेँ अंतिम श्रद्धांजलि यात्रामे सिनेजगत आ परिवारक बहुतरास लोक भाग लेलनि। बॉलीवुड स्क्रिप्ट लेखक सागरनाथ झा जे नागेंद्र जीक अभिन्न मित्र छलथिन, अंतिम यात्राक छवि सोशल मीडिया पर पोस्ट करैत भावभीनी श्रद्धांजलि दैत भाव-विभोर छलाह। अंतिम संस्कारमे भाग लेनिहार मित्र, सिनेजगत आ परिवारक लोक अपन झुकल आँखि सँ स्वर्गीय झाकेँ श्रद्धांजलि देलनि, उपस्थित समस्त लोक अपन आँखिक नोर रोकि नहि पाबि रहल छलथि। सभगोटे हुनका संग बीतल क्षणके स्मरण कए भावुक छलाह।
बिहारकेँ मधुबनी जिलाक कोइलख गामसँ नाता रखनिहार स्वर्गीय नागेंद्र झा जीक गामसँ मायानगरी मुम्बई धरिक सफरके खिस्सा हुनक मित्र जितेंद्र नाथ जीतू कहलनि जे 90 केँ दशकमे दूरदर्शन चैनल पर शांति सीरियलक प्रसारण भए रहल छल। एपिसोडक अन्तमे स्वर्गीय नरेंद्र जीक नामक पाछाँ झा लिखल जाएत छल जाहिसँ बिहारक लोक खुशी सँ झूमि जाएत छलाह। विज्ञापनसँ अपन करियरक शुरुआत केनिहार स्वर्गीय झा अपन अभिनय प्रतिभाक दम पर नै खाली आगाँ बढ़लनि बल्कि एकटा नीक आ ऊँच मुकाम सेहो हासिल कएलनि। सिनेजगत आ टीवी सीरियलक क्षेत्रमे नरेंद्र जीक नाम एकटा जानल-पहिचानल नामक रूपमे स्थापित भए गेल छलनि। सेंसरबोर्ड केर पूर्व सीईओ पंकजा ठाकुरजी संग 2015 में विवाह कए अपन दाम्पत्य जिनगीक शुरुआत कएने छलाह। बॉलीवुडमे बहुतरास सिनेमामे काज सेहो कएलनि जाहिमे हैदर, शोरगुल, घायल वन्स अगेन, मोहनजोदड़ो, हमारी अधूरी कहानी, रईस सन सिनेमामे अपन अदाकारी लेल खूब चर्चित भेलाह। दर्जनों हिंदी सिनेमा संग टीवी धारावाहिक, विज्ञापन समेत तेलगु, तमिल सिनेमा सभमे सेहो काज कएलनि। 70 टा धारावाहिक संगहि ऋतिक रोशन संग काबिलमे सेहो नजैर आयल छलाह। राज्यसभा टीवी पर प्रसारित धारावाहिक 'संविधान' में अपन उम्दा किरदार सँ दर्शक लोकनिक मोन मोहि लेनिहार नरेंद्र जीक निधन मिथिले नहि अपितु सिनेजगत लेल एकटा अपूर्णीय क्षति मानल जा रहल अछि।
अनुशासन केर अपन सबसँ पैघ हथियार मानैत छलाह नरेन्द्रजी। सिविल सर्विसेसकेँ तैयारी छोरि अभिनय क्षेत्रमे जखन सफलता हासिल करैक अवसर भेटै लगलनि तखनहि स्वर्गीय झाकेँ भगवान बजा लेलनि।