नालंदा : नालंदा जिला केर जलालपुर स्थित सोहसरायके एकटा मोहल्लामे बीतल राति एकटा दर्दनाक घटना घटित भेल जाहिमे तीन टा धियापुता समेत पाँच लोकक दुःखद मृत्यु संगहि 15 टा आरओ लोककेँ घायल होबाक खबैर भेटल अछि। सोहसराय थानाध्यक्ष शेर सिंह यादव कहलनि अछि जे अहि घटनामे मोहम्मद सरफराजके छोट बेटी सुमेरा, तनिक फातिमा, बेटा सरताज, बहिन शाइस्ता आओर एकटा दोसर व्यक्ति मुन्ना पण्डितक मृत्यु भेलनि अछि। अहि हादसामे मृत बच्चा सभक उमैर बेस एक माससँ पाँच बरखक भीतरे बताओल जा रहल अछि। आगाँ थानाध्यक्ष श्री यादव कहलनि जे घायल लोकमे पाँच व्यक्ति केर स्थिति गंभीर हेबाक कारणे नीक ईलाज हेतु पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल पठाओल गेल अछि, बाँकी बाँचल लोककेँ ईलाज सदर अस्पतालमे चलि रहल छन्हि।
थानाध्यक्ष श्री यादव आगाँ बतौलनि जे एतुका स्थानीय लोक सभक आरोप छन्हि जे घायल भेल सरफराज अपन भाड़ाके घरमे फटक्का केर अवैध काजराज करैत छल। अहि हादसाक जानकारी भेटैते जिलाधिकारी त्यागराजन आओर पुलिस अधीक्षक सुधीर कुमार पोरिका घटनास्थल पर पहुँचिकय जाँच-पड़ताल करबौलनि संगहि बचाव आ राहत काज सेहो शुरू करबेलनि। अहि हादसामे मृत अन्य व्यक्ति मुन्ना पंडितक रिश्तेदार ओतुका स्थानीय लोक सभक संगे फटक्का केर अवैध कारोबारक लेल रास्ता जामकय प्रदर्शन शुरू कए देलनि अछि।
एम्हर पुलिस अहिमादे जाँच शुरू कए देने छथि। एखन धरि ई स्पष्ट नहि भेल अछि जे धमाका सरफराज केर घरमे राखल फटक्कासँ आ कि कउनो दोसर विस्फोटक चीजसँ भेलैक अछि।