दरभंगा : शहरमे सेक्स रैकेट केर जाल पसरल होबाक खबैरसँ प्रशासनमे हड़कंप मचल अछि। अहिक्रममे पुलिस बुधदिनक रातिमे तीन टा महिला संगहि कुल 6 टा लोककेँ गिरफ्तार कएलक अछि। ई सभ लोक लहेरियासराय टॉवर स्थित एकटा होटलमे आठ बरखक बच्चियाके एक लाख टकामे बेचबाक तैयारी कए रहल छल। भनक लगलाक बाद पुलिस उक्त स्थान पर पहुँचिकय बच्चियाके मुक्त करौलनि। ई बच्चिया पटना केर रहनिहार बताओल जा रहल अछि। तकरा बाद पुलिस लक्ष्मीसागरमे छापामारी कए दू टा ग्राहककेँ सेहो पकड़लनि अछि। अहि गैंग केर चलेनिहार लोक सेहो पुलिसक गिरफ्तमे अछि।
सेक्स रैकेटक संचालन करबाक आरोपमे पुलिस बहादुरपुर थाना क्षेत्रक दिलवारपुर निवासी सविता देवी, पति सोहन सिंह केर अलावा विशनपुर थाना क्षेत्रक बनौला पंचोभ निवासी ममता देवी आओर बहेड़ा थाना क्षेत्रक डुमरी निवासी विमल कुमार पासवान केर पत्नी संगीता देवीकेँ गिरफ्तार कएलनि अछि। ओहिठाम पकराओल दुनू खरीदारक पहिचान मनीगाछी थाना क्षेत्रक राजू कुमार झा आओर मधुबनी जिलाक राजनगर थाना क्षेत्रकेँ सकला गामक रहनिहार अमित कुमारकेँ रूपमे कएल गेल अछि।
विदित हो जे राजू झा दरभंगाक लक्ष्मीसागर मोहल्लामे किराना केर दोकान चलबैत अछि। छापामारीमे पुलिस 14 टा मोबाइल फोन, करीब 30 हजार टका आओर बहुतरास आपत्तिजनक समान सभ पकड़लनि अछि। ओहिठाम अमितकेँ सोझासँ आधा बोतल विदेशी दारू सेहो भेटल अछि। पुलिसके हाथ एकटा डायरी सेहो लगलनि जाहिमे बहुतरास लोकक नाम आ मोबाईल नम्बर लिखल अछि। अहि सेक्स रैकेट केर तार मिथिलासँ पटना धरि जुड़ल होबाक संदेह उत्पन्न भए रहल छैक। सदर एसडीओ दिलनवाज अहमद बतौलनि जे हाथ लागल डायरी केर जाँच कएल जा रहल अछि संगहि अहिमादे बहुतरास आओर लोक पर गिरफ्तारी केर घंटी बाजि रहल छन्हि।