बीपीएससी : बिहार दरोगा भर्ती परीक्षा भेल शुरू, उत्तर सार्वजनिक होबाक अफवाहसँ परीक्षार्थी छथि परेशान

पटना : भारी सुरक्षा आ उत्तर पहिने सार्वजनिक होबाक अफवाह केर बादो  रविदिन बिहारक बहुतरास केंद्र पर दरोगा भर्ती केर परीक्षा शुरू भs गेल अछि। अहि परीक्षामे लाखों केर संख्यामे परीक्षार्थी लोकनि अपन किस्मत आजमा रहल छथि। खगड़ियाके मध्य विद्यालयक बलुआही प्रांगणमे जगह केर अभाव केँ देखैत टेंट-समियाना लगाकय परीक्षा लेल जा रहल अछि। 

परीक्षाक बाबत डीएम जय सिंह, एसपी मीनू कुमारी, एसडीओ मनीष कुमार मीणा संगहि बहुतरास अधिकारी लोकनि अलग-अलग परीक्षा केंद्र पर मुआयना करैत देखल गेलाह। जनतब हो जे जखन अधिकारी लोकनि केर परीक्षाक प्रश्नक उत्तर सार्वजनिक होबएकेँ मादे पूछल गेलनि तs ओ अहि गप केर सीधा अफवाह कहलनि। 

राज्य भरिमे दरोगा भर्तीकेँ आय परीक्षा लेल जा रहल अछि। अहि वास्ते समूचा राज्यमे 708 केंद्र बनाओल जेबाक खबैर भेटल अछि। प्रशासनिक अधिकारी लोकनिक अहि परीक्षा पर खास नजैर सेहो छन्हि। बिहार पुलिस अवर सेवा आयोग सेहो अहि परीक्षाक मादे खास सतर्क छथि। उत्तर सार्वजनिक बला अफवाहसँ संबंधित लोक सभपर सेहो नजैर गरउने छथि। परीक्षासँ संबंधित सबतरहक सूचना आ दिशानिर्देश जिलाक समस्त पदाधिकारी लोकनिकेँ पठाओल गेल छन्हि। अफवाह सार्वजनिक केनिहार लोक पर कार्यवाही कएल जायत से अधिकारी लोकनि पूछला पर कहलनि। 

अहि परीक्षासँ जुड़ल किछु खास गप अहितरहें अछि।

1. बिहार पुलिस अवर सेवा आयोगकेँ अध्यक्ष सुनीत कुमार बतौलनि जे समूचा राज्यमे कूल 708 केंद्र पर परीक्षा लेल जा रहल अछि जाहिमे 69 टा केन्द्र मात्र पटनामे अछि।

2. पटनामे दू पालीमे परीक्षा लेल जा रहल अछि जाहिमे पहिल पालीमे 40 हजार आ दोसरमे 23 हजार परीक्षार्थी लोकनि अपन किस्मत आजमा रहल छथि। जनतब हो जे पहिल पालीके वास्ते 69 टा केंद्र बनाओल गेल अछि। तीन टा जिलामे भोंट होबाक कारणे ओतहि केर परीक्षार्थी लोकनिक सेंटर बदैल कए पटनामे कएल जेबाक खबैर सेहो भेटल अछि। 

3. दरोगाके कुल 1717 पद केर वास्ते 4 लाख 28 हजार 200 छात्र अहि परीक्षामे शामिल भs रहल छथि।

4. दरोगा भर्ती परीक्षाक विशेषज्ञ डॉ. एम रहमान जनौलनि जे परीक्षार्थी लोकनिकेँ पहिने ओहि प्रश्नक उत्तर लिखबाक चाही जाहिकेर उत्तर हुनका लेल हल्लुक लागैत होईन आ छात्र लोकनिकेँ कउनो तरहक अफवाह सभपर ध्यान नहि देबाक चाहियैन्ह।

5. परीक्षामे मोबाइल आ इलेक्ट्रॉनिक उपकरण लके जेबाक लेल सेहो रोक लगायल गेल अछि। जनतब हो जे अहितरहक परीक्षामे छात्र लोकनि ब्ल्यूटूथ एहन उपकरण सभकेर विशेष उपयोग करैत छथि। परीक्षाक लेल पेट्रोलिंग टीम आ एडीएम रैंक केर अधिकारी लोकनि मजिस्ट्रेटक भूमिकामे तैनात कएल जेबाक संगहि परीक्षा केन्द्रसँ सौ गजकेँ दूरी धरि कउनो तरहक दोकान-दौरी खासकय फोटोकॉपी केर नहि खुलल रहबाक सूचना सेहो भेटल अछि। 

6. आय रविदिन अर्थात 11 मार्चकेँ भs रहल परीक्षा प्रारंभिक परीक्षा थिक। एकरा बाद मेंस केर परीक्षा होयत आ तकरा बाद चयनित परीक्षार्थी लोकनिक शारिरिक दक्षता परीक्षा लेल जायत संगहि अन्तमे मेडिकल टेस्ट होयत।
7. एहिबेर बिहार पुलिस अवर सेवा आयोग दरोगा केर परीक्षा लs रहल छथि जे पहिने परीक्षा कर्मचारी चयन आयोग केर जिम्मा छलनि।
8. अपर समाहर्ता सभ परीक्षा केन्द्रक केंद्राधीक्षकेँ परीक्षा संचालनक वीडियोग्राफी करबाक आदेश सेहो देने छथि।

9. परीक्षा पैटर्न-प्रीमे ऑब्जेक्टिवक हिसाबसँ सवाल राखल गेल अछि। 2 घंटाक परीक्षामे 200 नम्बरक 100 प्रश्न राखल गेल अछि जाहिमे हरेक गलत उत्तरक लेल 0.2 नम्बर परीक्षार्थी लोकनिकेँ काटि लेल जेतनि।

विशेष जानकारी हेतु अहाँ सभ बिहार सरकारक वेबसाईट http://bpssc.bih.nic.in पर लॉगइन सेहो कए सकैत छी