पूर्वी चंपारण । पूर्वी चंपारण जिला के रक्सौल निवासी रामनाथ साह अपन पुत्र अनिल के बिबाह में पूरा बरियाती टायरगाड़ी (बैलगाड़ि) पर लक विदा भेला। एकैसम शताब्दी में एखन बरियाती के देखबाक लेल भीड़ उमैड़ परल। प्रखंडक धनगढ़वा कौडिहार पंचायत के भगवानपुर सs नोनयाडीह पंचायत के खेखरिया के लेल जखन बाराती निकलल त' लागल जेना कोनो राजा - महाराजा के सवारी जा रहल अछि। रंग-बिरंगा कपड़ा स' सजल बरद आओर गाड़ी के सजावट लोक के आकर्षण के केंद्र रहल।
बरियाती रक्सौल स' करीब चार किलोमीटर दूर खेखरिया गणेश साह के दरवजा पर पहुँचल। जाहिठाम कन्या पक्ष के द्वारा बाराती के भव्य स्वागत केएल गेल। कन्याक' सहेली सभ कहली लगैत अछि जैएना फिल्मी दुनिया के बरियाती होय। लोक के बिच चर्चा होबा लागल जैए एही चकाचौंध वाला समाज में एहन ख्याल कोना आयल ।
लड़का पक्ष स'बात केएला पर लड़का के मामा मनोज साह कहला कि हमरा अपन बेटा नै अछि । ताहि लेल हम सोचनाऊ कि भगिन के बियाह में कीच आलेग हटि क़ करब। तखन जाक चकाचौंध स' दूर पर्यावरण के सुरक्षाक ख्याल आएल। जाहि के बाद गाड़ी के इंतजाम केएल गेल।
वर अनिल सजना व वधू दीपमाला कुमारी के मुताबिक बिबाह के व्यवस्था मामा के सोच के अनुसार भेल। हमारा सभ के कनि अटपटा लागल। डरी रहल छालौ कि लग्जरी वाहन के एही दौर में बैलगाड़ी स' लोक बाराती जेता की नै। लेकिन मामा आओर पिता कहला की एही पहल स समाज आओर देश के लोग प्रेरित हेता। कम खर्च में सादगी स' प्रेरणादायक आओर प्रशंसनीय बिबाह सम्पन भेल।