सीतामढ़ीमे कारोबारी केर हत्या, गाड़ी रोकबा मारलक तीन टा गोली


सीतामढ़ी : बिहारमे अपराधी बेखौफ घुमि रहल अछि। सरकार बेर-बेर दावा करैत छथि मुदा हत्या, लूट आ संगीन अपराध कम होबाक कतहु नामोनिशान नहि देखा रहल अछि। ताजा घटना सीतामढ़ी केर अछि जेतए एकटा व्यवसायी केर गोली मारिकय हत्या कए देल गेलनि अछि। घटना शुक्रदिनक रातिके अछि जखन शहरके नाहर चौक पर अनजान अपराधी धर्मेंद्र कुमार नामक व्यवसायीके गोलीसँ भूनि देलक।

अहि घटनाक पाछाँ जमीनी विवाद होबाक गप सोझा आबि रहल अछि। घटनाक विरोधमे स्थानीय दुकानदार सब शनिदिन रास्ता जामकय प्रदर्शन केलनि। मृतक नानपुर थानाके गौरा गामक निवासी धर्मेन्द्र कुमार पुरान गाड़ीक खरीद-बिक्री केर काज-राज करैत छलाह। 

मृतक केर नाहर चौक पर ' साईं ऑटोमोबाइल' नामसँ दोकान सेहो छन्हि। जानकारी भेटल अछि जे शुक्रदिन रातिमे मृतक जखन कारसँ अपन घर वापिस जा रहल छलाह तखनहि अनजान अपराधी गाड़ी रोकबाकय पिस्टलसँ सीना आ पेटमे तीन टा गोली मारि हत्या कए ओहिठामसँ भागि गेल।