बिहार अछि बेहाल, मुंगेरमे साम्प्रदायिक हिंसा ओतहि रोसड़ामे धारा 144 लागू

पटना : मुंगेर आ समस्तीपुर जिलामे माँ चैती दुर्गा केर मूर्ति विसर्जन करबाक समय दू टा पक्षकेँ बीच भेल टकड़ावसँ जमिकय पत्थरबाजी होबाक घटना सोझाँ आयल अछि। 24 घंटाक भीतर ई दुनू घटना भेल अछि। माहौल ततेक गंभीर बनि गेल जे पुलिस केर कतेको बेर हवाई फायरिंग करै पड़लनि। समस्तीपुर केँ रोसड़ामे मंगलदिन एकटा धार्मिक जुलूस पर कउनो असामाजिक लोक द्वारा चप्पल फेंकलासँ समूचा इलाकामे माहौल चिंताजनक बनि गेल अछि। अहिमादे ओतहि 24 घंटाक वास्ते धारा 144 लागाओल जेबाक जानकारी आबि रहल अछि।

दू टा पक्षक बीच पत्थरबाजी

पुलिसकेँ मंगलदिन रातिमे पथरावकेँ जानकारी भेटल छलनि। जनतब हो जे बाटा चौक पर उपद्रवी द्वारा दोकान सभमे लूटपाट सेहो कएल जेबाक खबैर आयल अछि मुदा एकर कउनो आधिकारिक पुष्टि एखन धरि नहि भेल अछि। ओतुका स्थानीय लोककेँ कहब छन्हि जे मूर्ति विसर्जनकेँ समय एकटा पक्ष गाना बजेबाक आ नारा लगेबाक विरोध कएलक, जाहिपर दुनू पक्षक बीच कहासुनी भेल आ देखैत-देखैत पत्थरबाजी शुरू भए गेलैक। अहि पत्थरबाजीमे कउनो तरहक हादसा होबाक खबैर एखन धरि सोझाँ तs नहि आयल अछि मुदा अहिमे 10 टा लोककेँ घायल होबाक जानकारी भेटल अछि।

एम्हर समस्तीपुरमे सोमदिन रातिके निकालल गेल धार्मिक जुलूस पर कउनो असामाजिक लोक द्वारा चप्पल फेंकबाक घटना घटल। रातिमे तs कहूना मामला शांत भए गेल छलैक मुदा भिनसर होइते जुलूसकेँ आयोजक आओर समर्थक सभ एकठाम इकट्ठा भए चप्पल फेंकनिहार पर कारवाई केँ माँगक लेल नारेबाजी करै लगलाह। तकरा बाद स्थिति बिगड़ैत चलि गेलैक, देखिते-देखिते समूचा रोसड़ा बाजार बंद भए गेल। स्थानीय लोक आ प्रशासनकेँ बीच गपशप सेहो चलि रहल छल मुदा किछु उपद्रवी लोक सभ एकरा गलत रूप दैत मामलाकेँ आरओ हवा दs देलक। ओतुका लोकक कहब छन्हि जे अहि मामलाकेँ बिगाड़ए में बाहरी लोककेँ हाथ अछि।

उल्लेखनीय अछि जे सोमदिन औरंगाबादमे सेहो हिंसा भड़कल छल। एतबा नहि अहूठाम दू समुदाय केर बीच भेल हिंसाकेँ बाद प्रशासन द्वारा कर्फ्यू लगा देल गेल छलैक। मीडिया रिपोर्टक अनुसार प्रशासन केर सुरक्षाबलकेँ उपद्रवी आओर दंगाई केँ देखिते गोली मारि देबाक आदेश देल गेल छल। जनतब हो जे अहि घटनामे सेहो उपद्रवी सभ द्वारा पचास सँ बेसी गाड़ी आओर दोकान केर आगि लगा देल गेलैक। ओतहि अहि घटनामे बीस टा पुलिसकर्मी समेत 60 सँ बेसी लोककेँ घायल होबाक खबैर भेटल छल। बताओल जा रहल अछि जे ई दंगा-फसाद ओहिसमय शुरू भेल जखन शहरकेँ नवाडीह इलाकामे रामनवमी केर शोभायात्रा निकालल गेल छलैक जाहिमे सेहो किछु उपद्रवी सभ द्वारा पत्थरबाजी कएल गेल।