मीडिया खबैरक अनुसार मोकामामे भेल अहि समारोहमे जुटल भीड़ जखन केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान आ उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी एलाह तखन हिनक खूब जमिकय विरोधमे नारा लगौलक, कारी झंडा मंच पर फेकल सेहो गेल। अहितरहक कृत्यकेँ SC/ST एक्टमे सुधार करबाक विरोधसँ जोरिकय देखल जा रहल अछि।
जनतब हो जे अहि घटना पर तेजस्वी यादव ट्वीट कए कहलनि जे अहि निंदनीय घटना पर रामविलास जी केर आत्मचिंतन करैक चाहियैन्ह संगहि इहो कहलनि जे आरएसएस आओर मोदी जीक दबावमे दलित केर मुद्दा पर रामविलास जी चुप्पी कियैक साधि लैत छथि.?
बता दी जे केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान आ डिप्टी सीएम सुशील मोदी एकटा कार्यक्रममे भाग लेबाक वास्ते चारडीह पहुँचल छलाह। रामविलास पासवान मंचहिं सँ लोकक विरोधके शांत करौलनि। रामविलास कहलनि जे गरीब आओर पिछड़ल वर्गक संग कउनो हालतमे अन्याय नहि होमए देब।