नहि रहलाह बॉलीवुड के "काबिल" अभिनेता, मिथिलाक लाल नरेन्द्र, हृदयाघातसँ भेलनि निधन




मुंबई : बॉलीवुडके मांजल कलाकारमे जगह रखनिहार मिथिलाके मधुबनी जिलाक रहनिहार श्री नरेन्द्र झा आय भिनसरे अपन आँखि सदा केर लेल बन्न कए लेलनि। श्री झा जीक निधन हृदयाघातसँ हुनकर अपनहि फार्म हाउसमे भए गेलनि , ओ 55 बरखक छलाह। मॉडलिंग सँ टीवी सिरियलमे एलाह उपरांत बॉलीवुडमे सेहो खूब विख्यात छलाह। बहुतरास टीवी सिरियलमे उल्लेखनीय काज केनिहार मिथिला धरोहरकेँ जानकी कोनाकय छीन लेलनि ई विश्वास केनाय असहज लागैत अछि। श्री झा करीब 20 टा सीरियल आ दर्जनों हिंदी सिनेमामे अपन दमदार अभिनय केर दम पर इतिहास रचलनि जेकरा बिसरब मिथिले नहि समूचा सिनेजगत लेल असंभव थिक।   

श्री नरेन्द्र झाजी केँ मांजल कलाकार मानल जाएत छलनि, ओ बहुतरास पैघ कलाकार सभक संग काज सेहो कएलनि। शाहिद कपूर केर हैदर, शाहरूख खान केर रईस, सनी देओल केर घायल वन्स अगेन केर अलावा हमारी अधूरी कहानी, फोर्स-2 आओर काबिल एहन कतेको सिनेमामे अपन दमदार अभिनयसँ दर्शक लोकनिकेँ खूब मनोरंजित कएलनि। हालहिं सलमान खान आ बॉबी देओल केर सिनेमा रेस-3 लेल काज कए रहल छलाह।

श्री झा जीक आकस्मिक निधन केर समाद सुनिकय समूचा सिनेजगतमे सेहो शोकक लहैर पसरि गेल अछि। तमाम सोशल मीडिया जेना ट्विटर, फेसबुक आदि पर ट्वीट आ पोस्ट कए दिवंगत आत्मा केर शांति वास्ते समूचा मिथिला संगहि सिनेजगत श्रद्धांजलि अर्पित कए रहलाह छथि।

श्री नरेन्द्र झाजी अपन एक्टिंग केर शुरुआत 1992 में मॉडलिंगसँ कएलनि। दिल्लीमे एक्टिंग कोर्स केलाक उपरांत मुम्बई आबि गेल छलाह। एतहि श्री झा मॉडलिंगसँ अपन करियर केर आरम्भ कएलनि। कतेको रास विज्ञापनमे सेहो नजैर एलाह। श्री झा बड्ड कम समयमे बड्ड चर्चित चेहरा बनि गेल छलाह, मुदा भगवानकेँ ई मंजूर नहि कहि वा केकरो नजैर लागि गेलनि जाहिसँ आय ओ हमरा सबकेर संग अपन तमाम प्रशंसकके छोरि अहि लोकसँ परलोक सिधारि गेलाह।

श्री नरेन्द्र झाजी सेंसरबोर्डक पूर्व सीईओ सँ विवाह कएने छलाह। हुनकर अर्धांगनी केर नाम पंकजा ठाकुर छन्हि। पंकजा ठाकुर जीक ई दोसर विवाह छलनि। पहिल पति केर हिनका एकटा बेटी सेहो छन्हि। दुनूगोटे नाशिकमे गुप्त तरीका सँ विवाह कएने छलाह।

मिथिला दैनिक सेहो अहि मिथिलाक बेटा केर प्रति अपन संवेदना व्यक्त करैत अछि। ई क्षति मात्र बॉलीवुड टा केर नहि अपितु समस्त मिथिलाक क्षति अछि। श्री झा मिथिलाक धरोहर रूपे सदैव हमरा लोकनिक आदरणीय, सम्मानीय रहताह।