पटना : पटना विश्वविद्यालयमे छात्रसंघ चुनाव खत्म भेलाक बाद अध्यक्ष आ उपाध्यक्षक पद लेल चलि रहल विवादके कारण तत्काल अहि दुनू पद केर नामांकन रद्द होबाक जनतब भेटल अछि जाहिपर हंगामा रुकबाक नाम नहि लए रहल अछि। नामांकन आ चुनाव रद्द होबाक कारणे एक-दोसरा ऊपर आरोप-प्रत्यारोपक झमेला शुरू अछि। अध्यक्ष दिव्यांशु भारद्वाज विश्वविद्यालय प्रशासनके अहिमादे दोषी ठहरौलनि अछि। भारद्वाज कहलनि जे शुरुआतमे कागजातक जाँच कियैक नहि कएल गेल, जखन हम निर्वाचित भेलहुँ तs सवाल उठाओल जाय लागल। आगाँ कहलनि जे हमरा ऊपर लगाओल गेल सभ आरोप गलत अछि आ हमर निर्वाचन जानि-बुझिकय रद्द कएल गेल अछि, हम अहिमादे कोर्ट जायब।
विदित हो जे विश्वविद्यालय प्रशासन 3 सदस्ययी जाँच कमिटी बनउने छलाह जाहिमे जाँच कमिटी केर चेयरमैन प्रोवीसी प्रो. डॉली सिन्हा जीकेँ बनाओल गेल छल। ओतहि सांख्यिकी विभागक अध्यक्ष प्रो. श्रीकांत सिंह आओर भूगर्भशास्त्र विभागक अध्यक्ष प्रो. कृतेश्वर प्रसाद जीकेँ 3 सदस्ययी जाँच कमिटीमे शामिल कएल गेल छलनि। जाँच कमिटी केर रिपोर्ट एलाक बाद अध्यक्ष पर निर्वाचित निर्दलीय दिव्यांशु भारद्वाज आ उपाध्यक्ष पद पर निर्वाचित अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद समर्थित उम्मीदवार योशिता पटवर्धन केर निर्वाचन रद्द कएल गेलनि अछि जखन कि संयुक्त सचिवक पद पर जापके असजद उर्फ आजाद चांद केर निर्वाचन पर सेहो आपत्ति केर संग अवैध निर्वाचनक दाबी कएल गेल छल जेकरा गलत पाओल गेल। जाँच कमिटी बतौलनि जे असजद उर्फ आजाद चांदक निर्वाचन एकदम सही आ वैध अछि।
आगाँ प्रेस कॉन्फ्रेंसमे जनतब दैत प्रॉक्टर जनौलनि जे नियमक अनुरूप अध्यक्ष आ उपाध्यक्षक पद खाली होबाक कारणे कार्यभार निर्वाचित महासचिव सम्हारता। जनतब हो जे महासचिव पद पर मधुबनीकेँ सुधांशु भूषण झा निर्वाचित भेलाह अछि। अहि निर्वाचनमे कुल 1647 टा भोंट भेटल छलनि।