दरभंगा : ट्रकक धक्का सँ मोटरसाइकिल सवार दू चचेरा भाई केँ मौत

दरभंगा। 03 फरवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] बेनीपुर - दरभंगा मुख्य मार्ग पर सहिला गाम लग ट्रकक धक्का सँ मोटरसाइकिल सवार दू चचेरा भाई केँ मौत भ' गेल। सोनकी सहायक थाना पुलिस ट्रक जब्त केलक आ लाश केँ पोस्टमार्टम लेल डीएमसीएच भेज देलक। 

प्राप्त खबैर केर मुताबिक बहेड़ा थाना क्षेत्रक मौजमपुर निवासी शिक्षक ओमप्रकाश महतो के 30 वर्षीय पुत्र अमर कुमार महतो आ हुनकर भाई मदन कुमार महतो के 18 वर्षीय पुत्र सोनू कुमार महतो एक मोटरसाइकिल सँ रातिक पौने दस बजे दरभंगा से अप्पन घर आबैत रहथिन। घना कुहासा केर कारण सहिला गाम लग पाछा सँ आएब रहल ट्रक मोटरसाइकिल मे धक्का माएर देलक, जाहिमे घटनास्थले पर दुनु चचेरा भाई केँ मौत भ' गेल। 

पुलिस घटनास्थल पर पहुंच ट्रक केँ जब्त क' लेने अछि। ट्रक चालक मोका देख भागैय मे सफल रहला। सोनकी थानाध्यक्ष धर्मपाल कहलनि कि कोहरा मे मोटरसाइकिल सवार द्वारा ट्रक के ओवरटेक करबाक दौरान ई दुर्घटना घटल। लाश के डीएमसीएच मे पोस्टमार्टम करा क' मृतकक परिजन के द' देल गेल अछि। एहि घटनाक ल'केँ थाना मे ट्रक चालक केर खिलाफ एफआईआर दर्ज कायल गेल अछि। चालक क' पकड़बाक लेल पुलिस निरंतर छापामारी क' रहल अछि।