मधुबनी : 4 फरवरी केँ मिथिला कप - 2018 केँ फाइनल टूर्नामेंट दरभंगा आओर सीतामढ़ीक बीच शिवनगर मैदान‌ मे खेलल जायत

मधुबनी। 03 जनवरी। युगांतर ट्रस्ट, पटना केर तत्वावधान मे पंडित ताराकान्त झा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंट, शिवनगर मैदान पर खेलल गेल। मिथिला कप 2018 केँ फाइनल मुकाबला लेल शिवनगर मैदान‌ केँ तैयार कायल जे चुकल अछि आओर अतिथि सभकेँ आमंत्रित सेहो क' देल गेल अछि। 

पंडित ताराकान्त झा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंटक अध्यक्ष विनोद शंकर झा कहलनि कि फाइनल टूर्नामेंट लेल क्वालिफाई क' चुकल दुनू सशक्त टीम  वाई.सी.सी दरभंगा आओर आफताब एलेवेन ठिकहा, सीतामढ़ीक बीच जोरदार मुकाबला होयत। ई टूर्नामेंट 4 फरवरी, रवि दिन भोर 11 बजे सँ शिवनगर मैदान पर खेलल जायत। पूरा क्षेत्र मे चर्चित एहि मुकाबला लेल 5 सँ 7 हजार दर्शक पहुंचबाक अनुमान लगाओल जे रहल अछि। 

फाइनल टूर्नामेंट लेल सभ व्यवस्था पूरा क' लेल गेल अछि। जाहिमे अतिथि, महिला दर्शक आओर पत्रकार बंधू सभक लेल विशेष दीर्घाक संगे - संग चौका छक्का लेल ऑक्टो पैड आओर आतिशबाजी, पटना  आकाशवाणी राज्य स्तरीय रेडियो हिन्दी व‌ अंग्रेजी काॅमेंटेटर आ मैथिली काॅमेंटेटर सभक संगे - संग  मध्यावधि मे संगीत कलाकार केँ सेहो बजाओल गेल अछि। पिच पर टॉसक घरी राष्ट्रगाण गएबाक लेल क्षेत्रक स्कूली बच्चा सभकेँ आमंत्रित कायल गेल अछि। पुरस्कार वितरण समारोह दुपहर 2:30 बजे होयत। दूर रहनिहार लोग सेहो ई फाइनल टूर्नामेंटक आनंद फेसबुक लाइव केर माध्यम सँ उठा सकैत छथि।