जेलक बाहर शिवानंद तिवारी मीडिया के सवाल सभक मुस्कुराबैत जवाब देलनि आओर कहलनि कि पुरान मित्र सँ भेंट करे आयल रही। कोनो राजनीतिक मकसद नही छल। ओतहि, कुनू राजनीतिक गंठबंधनक सवाल पर ओ कहलनि कि एखन तेँ ओ सजा काटी रहल छथि। भविष्य केर बात भविष्य पर छोएड़ दी।
अपने क' बता दी कि आनंद मोहन शिवहर सँ पूर्व सांसद छथि। ओ 1993 मे बिहार पीपुल्स पार्टी केर स्थापना केलनि। हुनकर पत्नी लवली आनंद 1994 मे वैशाली लोकसभा सीट सँ उपचुनाव जीतने छली। 1995 के विधानसभा चुनाव मे हुनकर पार्टी बड़का ताकत बैन उभरल छल। आनंद मोहन गोपालगंज मे डीएम जी कृष्णाया केर हत्याक मामला मे उम्रकैद केर सजा काटी रहल छथि।