संस्कृत विश्वविद्यालयमे छात्रसंघक चुनावकेँ नतीजाक घोषणा होइते उड़ल रंग-गुलाल

दरभंगा : छात्रसंघ चुनावक मादे विश्वविद्यालयक चर्चा एखन सर्वविदित अछि। दरिभंगाक कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालयकेँ शिक्षाशास्त्र विभागमे सोमदिनक भेल छात्रसंघ चुनावक नतीजा घोषित कय देल गेल।

विभागकेँ निदेशक डॉ. घनश्याम मिश्र कहलनि जे महासचिव पद पर निशा कुमारी आ संयुक्त सचिव केर पद लेल रिंकू कुमारी पहिनेसँ निर्विरोध चुनि लेल गेल छलीह। ओतहि अध्यक्षक पद लेल पंकज कुमार झा तीन भोंटसँ, उपाध्यक्षक लेल मुरारी कुमार चौधरी 21 भोंटसँ, प्रतिनिधिकेँ लेल आशीष कुमार झा 23 भोंटसँ, कोषाध्यक्षक लेल सुज्जवल कुमार चौधरी 34 भोंटसँ अपन समकक्ष प्रतिद्वंद्वीसँ आगाँ रहलथि। चुनाव नतीजाक घोषणा होइते परिसरमे रंग-गुलाल उड़ैय लागल। जमिकय नारेबाजी सेहो कएल गेलैक। जीतल छात्र-छात्रा सभमे खुशीक लहैर उमैर पड़ल छल। 

एम्हर आब सबहक नजैर विश्वविद्यालय स्तर पर होबै बला चुनाव पर टिकल अछि जाहिमे बहुतरास छात्रसंगठन अपन खूब पसीना बहा रहल छे संगहि दिन-राति एक कय जिजानसँ लागल अछि।