मधुबनी : हरेक सालक जेनाही अहुबेर जगवन चैती दुर्गा पूजाक आयोजन हेतु समस्त कार्यकर्ता लोकनि अपन तैयारी पूर्ण कय लएने छथि। कार्यक्रम अध्यक्ष रोशन मिश्रा बतौलनि जे हमर समस्त कार्यसमूह टीमक तैयारी अंतिम दौरमे चलि रहल अछि संगहि इहो कहलनि जे जगवन चैती दुर्गा पूजाक मुख्य आकर्षण समस्त ग्रामीण धिया-पुता द्वारा आयोजित रंगारंग कार्यक्रम रहैत अछि तहिना इहोबेर ओहिकेर दोहराओल जायत। नवोदिन हमरा सभक कार्यक्रम धिये-पूताक द्वारा कएल जाएत रहल अछि, अष्टमी दिन मेला जुटेबाक लेल प्रायः कउनो नामी मैथिली कार्यक्रमक आयोजन सेहो कएल जाएत अछि मुदा हमर सबकेर उद्देश्य अछि जे अपन गामक नेना सबकेर आगू बढ़ाबि।
एहिबेरक कार्यक्रमकेँ रूपरेखा सेहो आबि गेल ई बात रोशनजी जनौलनि। 17 मार्चकेँ कलश यात्रासँ माँ दुर्गाकेँ आह्वाहन कएल जायत आ 18 मार्चकेँ कलश स्थापना होयत। 19 मार्चसँ 24 मार्च धरि गामक नेना सब द्वारा मैथिली रंगारंग कार्यक्रम होयत ओतहि 25 मार्चकेँ मैथिली गायक दुर्गानंद झा केर समस्त टीम, श्रवेश झा आओर अंजलि बिहारी केँ द्वारा कार्यक्रम नियोजित कएल गेल अछि। 25 मार्चकेँ कुमारी कन्याक भोजन पश्चात 26 मार्चकेँ मातारानीक विसर्जन कएल जेबाक जानकारी कार्यक्रम अध्यक्ष रोशनजी जनतब देलनि। आयोजनकेँ आरम्भसँ विसर्जन धरिक मंच संचालन केर जिम्मा पछिले साल जेना इहोबेर रोशनजीकेँ देल गेल अछि। आयोजक समिति केर अध्यक्ष पवन मिश्र, कोषाध्यक्ष दिनेश यादव, सचिव सुनील यादव संगहि समस्त ग्रामवासी खूब जोरशोरसँ अहि आयोजनक सफलता हेतु प्रयत्नशील छथि।