समस्तीपुर : सरायरंजन थाना क्षेत्रक नौआचक डीहमे बुधदिनक साँझ एकटा शराबी बाप अपनहि मासूम बेटाक कंठ दबाकय मारि देलक संगहि लहाश केँ खरिहान मे माटिक भीतर खुनिकय दाबि देलक। मरल लहाशक पहिचान भोला राय केर छह मासक पुत्र राजेश कुमारकेँ रूपमे कएल गेलैक अछि। घटनाक बाद हत्यारा बाप फिरार भेल ई जनतब भेटल अछि। खबैर भेटला पर पुलिस अहि मामिला केर छानबीन कय रहल अछि।
घटनाकेँ सम्बन्धमे गामक लोक बतौलनि जे भोला राय केँ ओकरे गामक दू टा लोक दुपहरियेसँ जमीन लिखेबाक लोभमे दारू पिया रहल छल। जखन ओ बेसी दारू पी लेने छल तखनहि खेनाइ खेबाक समयमे अपन कनिया संग कउनो विवाद भेलैक आ ओ अपन बेटाकेँ घरसँ बाहर लs जाकय निशाके हालतमे कंठ दबाकय मारि देलक। एतबा नहि मारलाक बाद ओ लहाशकेँ अपन खरिहानमे जाकय जमीनक भीतर खद्दा खुनिकय गारि देलक। भोला रायकेँ कनियाक कानब सुनिकय गामक लोक सभ जमा भ गेलैक तखन गामक लोक सभ मिलिकय खरिहानक जमीनकेँ नीचासँ लहाश केर बाहर निकालि पुलिसकेँ सूचना देलनि। ताहिके बाद स' हत्यारा बाप ओहिठामसँ भागि गेल।
विदित हो जे हत्यारा बापकेँ आरो दू टा बेटा छैक जेकर उमैर 10 साल आ 6 साल छैक। अहिमादे सदर डीएसपी मो. तनवीर बतौलनि जे घटनाक सूचना भेंटल अछि आ एकर कारण केँ छानबीन कएल जा रहल अछि।