दरभंगा : बाल बिआह करबाक जुर्म मे दूल्हा आओर दुल्हाक पिता पहुंचला जेल

दरभंगा। 05 फरवरी। बाल बिआह व दहेज प्रथाक विरोध मे एखन सरकार द्वारा सख्ती केर असर बहुत देखबाक लेल भेट रहल अछि। ताजा मामला मे दरभंगा जिलाक बहेड़ी थाना क्षेत्रक सुसारी गाम सँ समस्तीपुर निवासी कल्लर पासवान आओर हुनक पिता डोमी पासवान केँ पछिला शनि दिन बाल बिआह करबाक जुर्म मे गिरफ्तार कायल गेल। कैल्हि रवि दिन दुनूकेँ जेल भेज देल गेल। 

प्राप्त खबैर केर मुताविक पुलिस केँ गुप्त सूचनाक भेटल कि सुसारी गाम मे एक 13 बरखक लड़की केँ आनन फानन मे बिआह कराओल जे रहल अछि। मौका पर पहुँचल पुलिस दूल्हा सहित दुल्हाक पिता केँ गिरफ्तार क' लेलक। लड़की केँ पिता रामचरित्र पासवान केँ सेहो अभियुक्त बनाओल गेल अछि। थानाध्यक्ष संजय कुमार एहि खबैर केर पुष्टि केलथि।