दहेजक बली चढ़ली एक आओर मिथिलानी, जहर खुआ क' देल गेल हत्या

सहरसा। 05 फरवरी। थाना क्षेत्रक सिमरी गाम मे दहेजक लेल एक विवाहिता केँ जहर खुआ हत्या करबाक मामला सामना आयल अछि। एहि मामला ल'केँ विवाहिता केँ पति सहित सात लोग पर मृतका केँ पिता प्राथमिकी दर्ज करौलनि अछि। ओनाकि एहि मामला मे एखन धरी किनको गिरफ्तारी नहि भ' सहल अछि।

प्राप्त खबैर केर मुताबिक सौरबाजारक खजूरी निवासी संजय पंडित अप्पन बेटी रूपम केँ बिआह पछिला बरख 24 फरवरी के सिमरी निवासी रामजी पंडित केँ पुत्र सिंटू पंडित सँ केना छलथि। संजय पंडित अप्पन क्षमता केर मुताबिक उपहार स्वरूप दान दहेज सेहो देना छलथि मुदा बिआहक बादे सँ  रूपम क' सासुरक लोग सभ प्रताड़ित करैत छलनि। हुनका संग माएर पीट सेहो कायल जे रहल छल आओर दहेजक रूप मे मोटरसाइकिल आ  एलसीडी टीवी केँ मांग करबाक बात मृतका के पिता कहने छथि। 

मृतका के पिता कहलनि कि मोटरसाइकिल आ एलसीडी टीवी नहि देबा पर हुनकर बेटी क' नहि रखबाक सेहो घमकी देल जायत छल। एहि सभ बातक सुचना हुनका हुनकर बेटी मरए सँ पहिने मोबाइल पर देना छलैन्ह आओर इयो बताओल गेल छल की आरोपी पति केँ कोनो दोसर लड़की संग  अवैध संबंध अछि। एहि बात ल'केँ शनि दिन हुनकर बेटिक हत्या क' देल गेल। एहि मामला मे पति सिंटू पंडित, डोमी पंडित, प्रमोद पंडित, विजय पंडित, रामजी पंडित सहित सात लोग पर प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि।

एहि संदर्भ मे थानाध्यक्ष रणवीर कुमार कहलनि कि विवाहिता केँ पिताक सूचना पर सिमरी गाम सँ विवाहिता केँ शव एक कमरा सँ बरामद कायल गेल अछि। शव केँ पंचनामा करी पोस्टमार्टम लेल सहरसा भेज देल गेल आओर विवाहिता केँ पिताक देल आवेदन पर प्राथमिकी दर्ज क' लेल गेल अछि। जखनकि घटना केँ बाद सँ सभ आरोपी फरार अछि। सभक  गिरफ्तारी लेल छापामारी कायल जे रहल अछि।