अपने क' बता दी कि मिथिला प्रतिभा खोज परीक्षाक आयोजन मिथिलाक छात्र छात्रा सभक प्रतिभा केँ बढ़ेबाक लेल कायल गेल। कैल्हिक मिथिला प्रतिभा खोज परीक्षा मे वर्ग 7,8,9,10 केँ प्रतिभागी सभ भाग लेलक। ओतैय वीक्षक केँ रूप मे मिथिला स्टूडेंट यूनियनक सदस्य अमृता कुमारी, अंशु रानी, माधुरी कुमारी, प्रियंका कुमारी, सुबोध कुमार, गणपति कुमार, संतोष कुमार, रोहित कुमार, दिलीप कुमार, राकेश कुमार, पंकज कुमार, सुमन कुमार, माधव कुमार आदि केर निरीक्षण मे मिथिला प्रतिभा खोज परीक्षाक समापन भेल।
परीक्षा शुरु होमै सँ पहिने एक सभाक आयोजन कायल गेल। जाहि सभा मे हायाघाट प्रखंड अध्यक्ष राज चौधरी आओर राष्ट्रीय संगठन प्रभारी विमल मैथिल कहलनि कि प्रतिभा खोज परीक्षा होमै सँ छात्र छात्रा सभक बिच बहुत उत्साहक माहौल अछि। सभा केँ अध्यक्षता राष्ट्रीय कोषाध्यक्ष सह दरभंगा मीडीया प्रभारी गणपति मिश्रा केलनि।
एहि मौका पर पर राष्ट्रीय सचिव विद्याभुष राय, D.C.C संचालक प्रबीन झा आओर दिवाकर झा छात्र छात्रा सभक उज्जवल भविष्य केर शुभकामना देलनि। परीक्षा स्थल पर दरभंगाक अध्यक्ष मृत्युंजय ठाकुर, पूर्व अध्यक्ष अमित सिंह, अभिजीत कुमार, विकास चौधरी, भास्कर चौधरी, सुधीर कुमार, राज चौधरी सहित कैको स्थानीय कार्यकर्ता उपस्थित भ' मिथिला प्रतिभा खोज परीक्षाक आयोजन सफल बनेबा मे महत्वपूर्ण भूमिका निभेलथि।