मिथिला के लाल पाकिस्तानी गोलीबारी में शहीद, पिता कहलैन शहादत पर अछि गर्व


पटना । कश्‍मीर के टंगडार सेक्टर में संघर्ष विरामक' उल्लंघन करैत पाकिस्‍तान भारतीय चौकि पर गोलाबारी केएलक। जवाबी कार्रवाई में भारतीय सेना सेहो पाकिस्‍तान में भारी तबाही मचा देलक। एही घटना में बीएसएफ के एक जवान शहीद भ गेला। शहीद जवान एसके मुर्मु जमुई जिलाक' मूल निवासी छलैथ। 

सुनील मुर्मु क' शहादत के खबर स' बुध दिन पैतृक गाम लंगरीटॉड गांव में मातम पसैर गेल। पिता कैलाश मुर्मू आओर पत्‍नी हुलिया हेम्‍ब्रम सहित अन्य परिजन मर्माहत छैथ, ओतैह हुनक शहादत पर गर्व सेहो छैन।सुनीलक' बिबाह 2012 में नवादा गायघाट निवासी सोमरा हेंब्रम क' पुत्री दुलिया हेंब्रम स' भेल छल। बिबाहक एक साल बाद 2013 में सुनील सेना में भर्ती भेल छलाह।