पटना : केंद्रीय मंत्रिमंडलक' आई भेल बैठाक में 100.6 किलोमीटर लंबा मुजफ्फरपुर-सगौली आओर 109.7 किलोमीटर लंबा सगौली -वाल्मीकि नगर मार्ग के विद्युतीकरण तथा दोहरीकरण परियोजना के स्वीकृति प्रदान केएलक। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक' अध्यक्षता में आर्थिक मामला के मंत्रिमंडल समितिक' बैठक में निर्णय लेल गेल।
एही परियोजनाक' कुल लागत क्रमश: 1347.61 करोड़ एवं 1381.49 करोड़ रुपया अछि । एही परियोजना के संचालन स' बिहार के मुजफ्परपुर, पूर्वी चंपारण (मोतीहारी) आओर पश्चिमी चंपारण (बेतिया) जिला सहित उत्तरी बिहार के घनी आबादी वाला क्षेत्र के लाभ होयत।
वर्तमान में मुजफ्फरपुर- वाल्मीकि नगर मार्ग पर यात्री गाड़ि के क्रॉसिंग के नाम पर देरी तक ठहरावक' सामना करे पड़ैत अछि। फिलहाल एही मार्ग पर 38 मेल/एक्सप्रेस रेलगाड़िक' संचालन भ रहल अछि। जाहिस प्रतिदिन हजारों यात्री यात्रा करैत छैथ। एही अतिरिक्त क्षमता निर्माण स' मार्ग के अवरुद्ध होबा में कमी आयत।