बिहार बोर्डक निर्देशकेँ देखल गेल असैर, परीक्षार्थी निराशा

दरभंगा : बिहारमे मैट्रिककेँ वार्षिक माध्यमिक परीक्षा शुरू भs गेल। दू दिन पहिने बिहार बोर्ड परीक्षा समिति केर अहि परीक्षा मादे निर्देश छल जे परीक्षार्थी जूता-मौजा पहिरकय परीक्षामे नहि बैसि सकैत अछि जाहिकेर पालन करैत सब परीक्षा केंद्र पर परीक्षार्थी लोकनिकेँ बीच देखबाक भेटल। विद्यार्थी लोकनि चप्पल पहिरकय परीक्षा देबाक लेल आयल छल। चेहरा पर निराशा साफ झलैक रहल छलनि।

किछु विद्यार्थी केँ जखन पूछल गेल जे चप्पल पहिरकय परीक्षा देबै आयल छी, नीक लागैय तs उदास मोनसँ कहलनि जे कि करब सरकारक निर्देश छन्हि जेकर पालन तs करिये पड़त। सरकार जौं गंजी आ हाफ-पेंट पहिरकय एबाक लेल कहितैथ तs ओहो पहिर आबितौं।

शहरमे रास्ता पर जामक समस्या तs आनो दिन खूब रहैत छैक मुदा आय ओहुसँ बेसि समस्याक सामना नगरवासी संगहि यात्री लोकनि केर करै पड़लनि। जगह-जगह  मोटरसाइकिल पर जाहिठाम दू आदमीकेँ बैसबाक कायदा छैक तहिठाम तीन आ ओहूसँ बेसी चारि-चारि लोककेँ बैसिकय यात्रा करैत देखल गेल, हेलमेट केर के पूछैय लोक जाम होबाक कारणे परेशान छल। नगरनिगम द्वारा ट्रैफिक कंट्रोल करबाक लेल सेहो कउनो विशेष व्यवस्था नहि छल। चहूँदिश सरकारक देल निर्देशकेँ आलोचना सेहो खूब भs रहल छैक। अभिभावक लोकनिमे तामश खूब छन्हि।