दिल्ली : पंजाब नेशनल बैंकमे करीब 11 हजार करोड़ टकाक घोटालाकेँ खुलासा केर बाद आब सरकारी क्षेत्रकेँ बैंक ओरिएंटल बैंक ऑफ कॉमर्स बैंकमे सेहो 390 करोड़ टकाक घोटाला सामना आयल अछि। टाइम्स ग्रुपकेँ खबैरक अनुरूप ओबीसी बैंक अहि घोटालाकेँ जानकारी आ शिकायत सीबीआईसँ पछिला 6 मास पहिने कएने छल। 6 माससँ अहि मामिलाकेँ सीबीआई दबाकय राखने छल जे आब जाकय दिल्ली स्थित एकटा ज्वेलरी दोकान (स्टोर) केँ खिलाफ केस दर्ज केलक अछि जेकर जाँचमे सीबीआई जुटि गेल अछि।
सीबीआई अधिकारी 390 करोड़ रुपैयाक घोटाला केँ मामिलामे बृहस्पतिदिन करोलबाग स्थित द्वारका दास सेठ इंटरनेशनलकेँ खिलाफ केस दर्ज केलक अछि। ई कंपनी सोना, चांदी आ हीरा केर ज्वेलरीके मैनुफैक्चरिंग आ ट्रेडिंग करबाक काज करैत छल। कंपनी केर जिम्मा पंजाबी बागक रहनिहार सभ्य सेठ आ रीता सेठक हाथमे छैक। सीबीआई द्वारा दर्ज एफआईआरमे सराय काले खां केर रहनिहार कृष्णकुमार सिंह आ रविकुमार सिंहकेँ नाम सेहो अछि जे अहि कम्पनिसँ जुड़ल अछि।
बैंक अहि मामिलामे अपन शुरुआती जाँचमे पेलक जे सभ्य सेठ आ कम्पनिसँ जुड़ल आन लोक पछिला 10 माससँ अपन-अपन घरो पर नहि देखाएत छल जाहिकेर बाद बैंकके अधिकारी सब 16 अगस्त, 2017 केँ द्वारका दास सेठ इंटरनेशनल केँ खिलाफ सीबीआई सँ शिकायत केलक। बैंक अंदेशा जतौलक जे सभ्य सेठ सेहो नीरव मोदीये जेना देश छोरि भागि गेल अछि। जनतब हो जे नीरव मोदी सेहो पंजाब नेशनल बैंककेँ खूब नीकसँ चूना लगाकय भागल अछि। पीएनबी घोटालाकेँ बाद सीबीआई हरकतमे आयल आ ओबीसी केर शिकायत पर द्वारका दास सेठ इंटरनेशनल कम्पनीकेँ खिलाफ केस दर्ज केलक अछि।